स्कूल खुलि गेल अछि. स्कूल एक तरह सं क्रिसमसक बादहि सं बंद छल. शीतलहरी… कोहरा… कुहासा के लSक एक-एक दिन करैत स्कूल एतेक दिन बंद रहल. ओना मौसम मे अखनो कोनो खास सुधार नहि दिखा रहल अछि. कनकनाबय वाला ठंड देह के जेना छेद रहल अछि. कुहासा के संग पढ़ाई के नुकसान के सेहो देखैत स्कूल खुलि त गेल अछि मुदा स्कूल भोरका के जगह दिनका करय के कहल गेल अछि. सरकारी… प्राइवेट सभ स्कूल के 10 बजे सं 4 बजे तक स्कूल खोलय लेल कहल गेल अछि. एहि सं विद्यार्थी सभ के भोर मे स्कूल जाए सं होए वाला परेशानी सं किछ राहत मिलतन्हि आओर पढ़ाई सेहो भs जएतन्हि.
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
No comments:
Post a Comment
अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु