मैथिली-भोजपुरी कविता उत्सव

दिल्ली मे रवि दिन 24 जनवरी के मैथिली-भोजपुरी कविता उत्सव होबय जा रहल अछि. ई कविता उत्सव गणतंत्र दिवस के उपलक्ष्य मे होबय जा रहल अछि. कविता उत्सव दिल्ली के आईटीओ के पास आईसीसीआर सभागार मे सांझ साढ़े पांच बजे सं शुरू होएत. एहि कविता उत्सव मे मैथिली के उदयनारायण सिंह 'नचिकेता'...कामिनी कामायनी... गंगेश गुंजन... तारानंद वियोगी... मंजर सुलेमान... रमन कुमार सिंह... रवींद्र लाल दास... शेफालिका वर्मा... सारंग कुमार आओर सुस्मिता पाठक कविगण आमंत्रित छथिन्ह. जखन कि भोजपुरी सं कमलेश राय... कुबेर नाथ मिश्र'विचित्र'... चंद्रदेव यादव... प्रकाश उदय... राधेश्याम तिवारी... विश्वनाथ यादव... शत्रुघ्न कुमार...हरिराम द्विवेदी शामिल होताह.
कविता उत्सव के उद्घाटन दिल्ली के मुख्यमंत्री शीला दीक्षित करतीह. शीला जी मैथिली-भोजपुरी अकादमी के अध्यक्ष सेहो छथीह. मुख्य अतिथि रहतीह दिल्ली सरकार के मंत्री किरण वालिया जी. उत्सव के अध्यक्षता करथिन्ह वरिष्ठ कवि प्रो. केदारनाथ सिंह जी. त रवि दिन मैथिली भोजपुरी कविता के आनंद लिअ.
गणतंत्र दिवस कविता उत्सव
आई सी सी आर सभागार
आजाद भवन
आई पी एस्टेट ( आई टी ओ )
नई दिल्ली- 110002
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


Comments

Popular posts from this blog

सभ सं लोकप्रिय मैथिली गीत ?

हमर विआह- 8

कस्तूरबा गांधी विद्यालय खुलत

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

पूर्णिया मे सुखोई

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

नहि रहलाह मैथिली पुत्र प्रदीप