ठंड सं बिहारक स्कूल रवि धरि बंद

बिहार के सभ स्कूल रवि तक बंद करि देल गेल अछि. आब सभ स्कूल 25 जनवरी सोम दिन खुलत. एना मौसम के हाल के देखैत कएल गेल अछि. बिहार सहित पूरा उत्तर भारत मे आई-काल्हि जबरदस्त ठंड पड़ि रहल अछि. कोहरा… कुहासा एहन अछि जे दिनों मे राति जकां हाल बनल अछि. हाथ के हाथ नहि सुझा रहल अछि. लोक बड़ जरूरी काज भेले पर घर सं निकलय छथि. हवा मे एतेक ठंडी छै जेना लगै छै कि पूरा शरीर मे सूई चुभि रहल अछि. एहन मे स्कूल के छुट्टी बढ़ानाय नीक बात अछि. शिक्षा विभाग के आला अधिकारी के कहनाय छनि जे अगर रवितक मौसम ठीक नहि भेल त छुट्टी के आओर बढ़ाएल जा सकैत अछि. बिहार सरकार के ई आदेश सरकारी… प्राइवेट सभ स्कूल के लेल अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

'मिथिला राज चाही'

हमर विआह-10

जेएमआईटी बनल डीईसी

एहिना मिलत मिथिला राज्य?

हमर विआह-6

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग