कांग्रेस एतेक लाचार किएक ?

मराठी नेता शरद पवार होताह या प्रफुल्ल पटेल. अशोक चव्हाण या विलासराव देशमुख. बाल ठाकरे या राज ठाकरे. सभ अपना छोड़ि देश के सोचबे नहि करय छथिन्ह. ई मराठी नेता सभ केन्द्र के लेल सेहो सिरदर्द बनल छथिन्ह. राज ठाकरे... बाल ठाकरे मराठी मानुस के लsक उत्तर भारतीय के खिलाफ जहर उगलि रहल छथिन्ह. देश के भाषा.. क्षेत्र के नाम पर बांटय के कोशिश कs रहल छथिन्ह. कांग्रेसी सरकार लाचार अछि. शरद पवार जहां आटा...चाउर... दाल... सब्जी...चीनी के बाद आब दूध के दाम बढ़ाबय मे लागल छथिन्ह ओतहि प्रफुल्ल पटेल एयर इंडिया आओर इंडियन एयरलाइंस के खटिया ठाड़ कs देलखिन्ह. जहां महंगाई सं करोड़ों गरीब लोक मरि रहल अछि ओतय विमानन कंपनी सं सरकार के अरबों रुपया के नुकसान भ रहल छनि. आओर एहि सभ पर केंद्र के मनमोहन सरकार आंखि मुंदने अछि. यूपीए प्रमुख सोनिया गांधी जी एकरा कतेक बर्दास्त करथिन्ह? महंगाई.. क्षेत्रीयता...जाति... भाषाई राजनीति राहुल गांधीके राह के कठिन बना सकैत अछि. अहां के कि लगैत अछि कि शरद पवार...प्रफुल्ल पटेल जैसन नेता के केंद्र मे बनल रहबाक चाही? अपन राय जरूर भेजु.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


Comments

Popular posts from this blog

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

किछ हरायल शब्द

पूर्णिया मे सुखोई

हमर विआह-10

हमर विआह -1 (पहिल कड़ी)

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

राग-विराग

एहिना मिलत मिथिला राज्य?

हमर विआह- 8