बिहार मे आब स्कूल मे पढ़य वाला लड़की सभ के जूड़ो-कराटे के ट्रेनिंग देल जाएत. शुरू मे ई ट्रेनिंग क्लास 6 सं 8 के लड़की सभ के देल जाएत. ओना सरकार के तरफ सं पहिनहुं किछ जिला मे कराटे ट्रेनिंग देल जाएत छल. मुदा आब 6 से 8 क्लास तक के सभ लड़की के कराटे प्रशिक्षण देल जाएत. ई प्रशिक्षण मुफ्त होएत. एहि सं पहिने जेहि छात्रा सभ के ट्रेनिंग देल गेल छनि ओ आब प्रशिक्षण देबय के काज मे शामिल होएतीह. एहि के लेल हुनका सरकार के तरफ सं पाई सेहो मिलतन्हि. एहि मे किछ एनजीओ के मदद सेहो लेल जाएत. एहि के बारे मे जिला शिक्षा अधीक्षक के जानकारी द गेल अछि. सरकार के कहनाय अछि जे एहि के मकसद हुनका सभ के आत्मरक्षा के काबिल बनानाय अछि. हुनकर हिम्मत बढानाय अछि.
Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...
nice one.
ReplyDeletehttp://bharatclick.com