नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

छोट राज्य के पक्ष मे नीतीश जी


अलग तेलंगाना राज्य बनाबय के घोषणा के बाद बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलखिन्ह जे सिर्फ तेलंगाने सं काज नहि चलत पूरा देश मे एकहि संग कइटा छोट-छोट राज्य बनाबय के जरूरत अछि. पूरा देश मे राज्य सभ के पुनर्गठन होबाक चाही. हुनकर साफ कहनाय छनि जे देश मे अखनो कइटा बड़का-बड़का राज्य अछि जकर पुनर्गठन करि छोट-छोट राज्य बनयबाक चाही. नीतीश जी के इहो कहनाय छलन्हि जे हुनकर पार्टी शुरू सं एकर पक्ष मे रहल अछि.
ई त भेल नीतीश जी के गप...ओम्हर उत्तर प्रदेश के मुख्यमंत्री मायावती त अलग राज्य बनाबय के बारे मे प्रधानमंत्री के चिट्ठी सेहो भेज देलखिन्ह. मायावती जी के साफ कहनाय छनि जे ओ छोट राज्य के पक्ष मे छथिन्ह आओर बुंदेलखंड के संग दोसर राज्य बनबाक चाही. मायावती जीक एहि कदम के देखैत नीतीशजी के सेहो मिथिलांचल राज्य के लेल एकटा चिट्ठी प्रधानमंत्री जी के लिखबाक चाही. आओर एकरे संग-संग मिथिलांचल के सभ सांसद महोदय... प्रतिनिधि महोदय के अपन गतिविधि तेज करि देबाक चाही. मिथिलांचल के सभ एमएलए... एमपी... मिथिला राज्य संघर्ष सं जुड़ल संगठन सभ के लेल ई एकटा नीक मौका अछि. एकरा चुकबाक नहि चाही.
किछ पाबय के लेल किछ मेहनत क करहे पड़त. बैसल नहि रहुं... उठु.... आस-पास के लोक के उठाउ... जगाउ. एहि बेर पिछड़ब त फेर कहिआ उठब तकर कोनो हिसाब नहि. बस सभ गोटे मिलि एकटा जोर लगा दिअउ. फेर सभ किछ अपना हाथ मे रहत. इलाका के... मिथिला के विकास के लेल ई एकदम जरूरी अछि.



Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


5 टिप्‍पणियां:

  1. Rajneesh K Jha
    "vikaash ke leel chhot raajyak nirmaan jaruri thiik aa ni:sandeh jaahi tarah say mithilanchal sang sautelap vyavhaar kayal gel mithila raajya homay ke chaahi
    "

    जवाब देंहटाएं
  2. मिथिलाक लोगके मन मैं नितीश जी सय बहुत अपेक्षा छल जे ओ किछु करता क्षेत्र के विकासक वास्ते...
    चारि साल बीत गेल, समस्या जस के तस, बिजुली एखनो गायब अछि, सड़क के स्थिति कोनो बेहतर स्थिति मैं नहि... बिना राजस्व के राज्य कोना चलत,,,,, नितीश जी आ लालू जी पाहिले महान बनबाक क्रम मैं बिहार के बटवारा कय चुकल छैथ......बिना पूर्व सोच के कि बचल बिहार के गुजारा कोना चलत.....
    एक बेर फेर इ सब महान नेता लोगनि पैघ गप्प कय रहल छैथ जे छोट राज्य ठीक.... पता नै राज चलत कोना....हाँ कम स कम हिनक पार्टी दू टा राज्य मैं राज-काज के भागिदार बनि जेतेन... इ लोभ कारन भसकैत छैक ........

    जवाब देंहटाएं
  3. इ बात त बहुत बढ़िया छै जे राज्य यदि छोट
    होयत तखन विकास बढ्बा केर आसार बेसी
    छैक . मुदा बट्बारा यदि राजनितिक विकास
    के ध्यान में राखी के होयत तखन कहनाई
    मुस्किल अछि जे आम जनक की हाल हेतन्हि.

    जवाब देंहटाएं
  4. छोट राज्यक निर्माण समस्याक हल नय अछि | अपितु धर्मं, भाषाक आधार पर छोट राज्यक पुनर्गठन अन्तोगत्वा राष्ट्रक एकता के प्रभावित करत| दोसर बात विकास नय होवाक के वजह समाज और सरकार की निष्क्रियता अछि | मिथलांचलक दुर्भाग्य अछि की अपार बुद्धिजीवी वर्गक जन्मदाता होव के बाबजूद सिर्फ अपना-पराया, पट्टीदारी और निजी स्वार्थ के चक्कर में समाजक विकास पर केउ गोटा नय ध्यान देलखिन |नया राज्य बनाव स एगो और नया सी.एम बनत और एगो और नया घोटाला हैत |

    जवाब देंहटाएं
  5. छोट राज्यक निर्माण समस्याक हल नय अछि | अपितु धर्मं, भाषाक आधार पर छोट राज्यक पुनर्गठन अन्तोगत्वा राष्ट्रक एकता के प्रभावित करत| दोसर बात विकास नय होवाक के वजह समाज और सरकार की निष्क्रियता अछि | मिथलांचलक दुर्भाग्य अछि की अपार बुद्धिजीवी वर्गक जन्मदाता होव के बाबजूद सिर्फ अपना-पराया, पट्टीदारी और निजी स्वार्थ के चक्कर में समाजक विकास पर केउ गोटा नय ध्यान देलखिन |नया राज्य बनाव स एगो और नया सी.एम बनत और एगो और नया घोटाला हैत |

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु