आब तेसर सं ड्रेस


बिहार मे आब तेसरे क्लास सं विद्यार्थी के स्कूल ड्रेस मिलत. पहिने क्लास 6 सं 8 तक के लड़की के ड्रेस मिलय छल आब ई क्लास तीन सं शुरू भs जाएत. एहि सं तेसर सं क्लास पांच तक के करीब पौने एक करोड़ विद्यार्थी के बीच चारि सय करोड़ के ड्रेस बांटल जाएत. एहि योजना के तहत नवका सत्र मे करीब अस्सी लाख छात्र के पांच-पांच सय रुपया देल जाएत.
एकरे संग एकटा आओर नीक खबर ई अछि जे आब क्लास 9 के लड़का के सेहो साइकिल देल जाएत. एहि योजना मे क्लास 9 मे नाम लिखाबय वाला विद्यार्थी के साइकिल के लेल दू हजार रुपया देल जाएत. एहि योजना सं राज्य के करीब पौने पांच लाख विद्यार्थी के साइकिल बांटल जाएत आओर एहि पर करीब 112 करोड़ रुपया के खर्च आएत.
सरकार के माननाय अछि जे एहि सं बेसि सं बेसि छात्र स्कूल आएत आओर स्कूल छोड़य वाला विद्यार्थी के संख्या कमत. सरकार एहि बात के सेहो कोशिश करि रहल अछि जे राशि के दुरुपयोग नहि होए आओर एकर फायदा विद्यार्थी के मिलय. स्कूल मे बच्चा सभ के दाखिला बढ़य . संगहि संग रोज स्कूल सेहो आबथि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर विआह-6

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

बिहार के एकटा आओर सम्मान

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

हमर विआह-10

हमर विआह-9

किछ हरायल शब्द

बिहार लोक सेवा आयोग परीक्षा