मैथिली के आओर समय दिऔ...


आकाशवाणी पर मैथिली समाचार के समय बढ़ाएल जाउ. ई कहनाय छनि बिहार विधान परिषद के सभापति पं. ताराकांत झा जीक. पं. ताराकांत जी ई बात आकाशवाणी प्रादेशिक समाचार के स्वर्ण जयंती समारोह मे कहलखिन्ह. आकाशवाणी पटना सं 28 दिसंबर 1959 मे पहिल प्रादेशिक समाचार शुरू भेल छल. 50 वर्ष पूरा भेलाह पर भेल स्वर्ण जयंती समारोह मे आकाशवाणी के तमाम अधिकारी लोक मौजूद छलखिन्ह.
पंडित जीक इहो कहनाय छलनि जे मैथिली बाजय वाला लोक के संख्या करीब चारि करोड़ अछि मुदा समाचार बुलेटिन अछि सिर्फ पांच मिनट के. एकर समय बढाबय के जरूरत अछि. किएक त आकाशवाणी के समाचार के लोक मे अखनो काफी विश्वसनीयता अछि. आओर सरकारी योजना... नीति के बारे मे जानकारी लोक के एहि सं मिलैत अछि. गाम-घऱ के विकास मे अखनो रेडियो के खास भूमिका अछि. आओर खबर... सूचना के लेल एकमात्र साधन अछि. बिहार मे अखनो कइटा इलाका अछि जतय अखबार नहि पहुंचय अछि. टीवी नहि अछि. देश -दुनिया के हाल चाल जानय के एकेटा माध्यम अछि रेडियो.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com



Comments

Popular posts from this blog

छोट राज्य के पक्ष मे नीतीश जी

दरभंगा मे नवाह यज्ञ

जिम्मेदार के ?

मोन मिथिले मे अछि...

हमर विआह- 8

फेर अगुआ बनत बिहार

दिल्ली मे सामा चकेवा

दरभंगा मे मिथिला थीम पार्क

ट्रेन के टाइम बदलल