Skip to main content

बनाउ मिथिलांचल


अलग तेलंगाना राज्य बनाबय के लेल केंद्र सरकार सं ग्रीन सिगनल मिलैत कतार मे ठाड़ दोसर ठाम के लोक के उम्मीद सेहो बढ़ि गेलन्हि. अपन मिथिलांचल राज्य के लेल फेर सुगबुगाहट तेज भs गेल अछि. अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद के प्रवक्ता धनाकर ठाकुर आओर महासचिव के. एन. झा जीक कहनाय छनि जे लोहा गरम अछि...बस चोट करय के जरूरत अछि. एहि बेर नहि भेल त फेर कहिआ होएत तकर ठिकान नहि. ताही लेल सभ मैथिली भाई-बहिन के जोर-शोर सं...पूरा दम लगा कs अलग मैथिली राज्य के लेल मैदान मे कूदि पड़बाक चाही.झाजीक इहो कहनाय छनि जे अलग मिथिलांचल राज्य के मांग 1954 सं लंबित पड़ल अछि. ई 5 करोड़ सं बेसि मैथिल के लेल अन्याय अछि. संख्या... भाषा... क्षेत्रफल सभ हिसाब सं अलग मिथिलांचल राज्य के मांग उचित अछि.
बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो छोट राज्य बनाबय के जनता के हित मे मानलखिन्ह. ओ कहलखिन्ह जे ओ शुरुए सं छोट-छोट राज्य के पक्ष मे छथिन्ह...आओर बेसि सं बेसि छोट राज्य बनबाक चाही. अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति के बैधनाथ चौधरी सेहो कहलखिन्ह जे सरकार के अलग मिथिला राज्य के मांग पर विचार करबाक चाही. अगर ऐना नहि भेल त मिथिलाक लोक सेहो आमरन अनशन करय लेल विवश होएत. आओर मिथिलांचल मे सेहो तेलंगाना जकां आंदोलन शुरू कएल जाएत.
देश के पिछड़ल इलाका के विकास के लेल छोट-छोट राज्य के गठन जरूरी अछि. ओना तेलंगाना जकां कइटा आओर नवका राज्य बनाबय के मांग केंद्र सरकार के पास पड़ल अछि. एहि मे मिथिलांचल...पूर्वांचल... विदर्भ... बोडोलैंड...रायलसीमा... बुंदेलखंड... हरित प्रदेश... सौराष्ट्र... गोरखालैंड शामिल अछि.



Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


Comments

  1. इ बात त बहुत बढ़िया छै जे राज्य यदि छोट
    होयत तखन विकास बढ्बा केर आसार बेसी
    छैक . मुदा बट्बारा यदि राजनितिक विकास
    के ध्यान में राखी के होयत तखन कहनाई
    मुस्किल अछि जे आम जनक की हाल हेतन्हि.

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...