नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

ईसमाद लांच



मैथिलीक पहिल ई-पेपर समाद के समाचार पोर्टल ईसमाद डॉट कॉम लांच भs गेल अछि. दू साल पहिने मिथिला... बिहारक सकारात्मक खबरि के बढ़ावा देबय लेल किछु मां-बहिन सभ मिलि एकरा ई पेपर के रूप मे शुरू कएने छलीह. पहिने ई पेपर साप्ताहिक रूप मे निकलैत छल. साप्ताहिक रूप मे निकलला के बादहुं लोक सभ के बीच ई काफी लोकप्रिय रहल. आब जखन एकरा पोर्टल के रूप द गेल गेल अछि तखन एकर पहुंच आओर बेसि भs जाएत आओर लोक सभ के टटका-टटका समाद घर बैसल जानए लेल मिलतन्हि. मैथिलीक प्रचार प्रसार के दिशा मे ई एकटा नीक कदम अछि.
ईसमाद के लांच दिल्ली के प्रेस क्लब ऑफ इंडिया मे भेल. पूर्व केंद्रीय मंत्री आओर सांसद शाहनवाज हुसैन एहि पोर्टल के लोकार्पण कएलखिन्ह. एहि अवसर पर वरिष्ठ पत्रकार शिवनाथ झा... मैथिली के पहिल ई- पत्रिका विदेह के सर्वेसर्वा डॉ गजेन्द्र ठाकुर जी सेहो उपस्थित छलखिन्ह. कार्यक्रम के मुख्य अतिथि छलखिन्ह देशबंधु अखबार के स्थानीय संपादक अमिताभ अग्निहोत्री जी. ई समाद के संपादक कुमुद सिंहजी सभ लोकनि के स्वागत कएलखिन्ह. सभ किछ त नीक रहल मुदा एकटा बाद अखरल ई जे एहि बारे मे ई समाद पर जे खबर अछि ओ हिंदी मे अछि. उम्मीद अछि एकरा मैथिली मे करि देल जाएत. हमर शुभकामना सम्पादक मंडल आओर एहि सं जुड़ल सभ लोक के संग अछि.



Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु