जिम्मेदार के ?


दरभंगा के कुशेश्वरस्थान आओर खगड़िया के अलौली प्रखंड मे भेल नाव दुर्घटना के बाद बिहार मे राजनीतिक आरोप -प्रत्यारोप के दौर शुरू भs गेल अछि. कोई एकरा लेल प्रशासन...सरकार के जिम्मेदार ठहरा रहल अछि... त ककरो कहनाय अछि जे अगर लोक कनि सब्र सं काज लैत त एहन दुर्घटना नहि होएत. जल्दी पहुंचय लेल जानि कs क्षमता सं बेसि लोक नाव पर चढि गेलाह. कतेक लोक के अहां रोकि सकैत छी ?


आजादी के एतेक दिन बादहुं लोक के एक ठाम सं दोसर ठाम जाए लेल नाव के सहारा लेबय पड़य अछि. यातायात के साधन नहि अछि. इंफ्रास्ट्रक्चर पर ध्यान नहि देल गेल अछि. सड़क... बिजली आओर दोसर मूलभूत सुविधा के मामला मे काफी पिछड़ल अछि. एहि के लेल पिछला सभ सरकार जिम्मेदार अछि. फेर हमहु सभ कम जिम्मेदार नहि छी जे अपना आस-पास के समस्या... परेशानी के अपन सांसद... विधायक... मंत्री के नहि बताबय छी. आवेदन नहि करय छी. सूचना के अधिकार के फायदा नहि उठावय छी. पिआस लगला पर पोखर खोदय छी. लोकतंत्र मे जनता के बेसि जागरूक रहय पड़य छनि. प्रतिनिधि के हुड़काबय पड़य छनि.
काम-काज कराबय लेल मुखिया... सरपंच सं लs क मुख्यमंत्री तक अपन दुखड़ा पहुंताबय पड़य छै. जखन अहां बतबन्हि नहि जे अहां के इलाका मे लोक के कि कष्ट छनि ओ केना बुझता आओर केना बनौताह. त आबहुं जागु... अपन प्रतिनिधि... एमएलए... एमपी... मिनिस्टर पर दबाव बनाउ... काज कराउ.
त बताउ अहां सभ के कि लगैत अछि जे खगड़िया... दरभंगा के नाव दुर्घटना के लेल असल मे के जिम्मेदार अछि एहि के लेल ? सरकार, प्रशासन आओर हम सभ खुद ? अहांक जवाब के इंतजार अछि.

Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


Comments

Post a Comment

Popular posts from this blog

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

हमर विआह- 8

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

केंद्र मे हारल बिहार...

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार