केंद्रीय टीम बिहार मे...

सूखा के स्थिति के जायजा के लेल एकटा केंद्रीय टीम बिहार आएल अछि. ई टीम बिहार के सूखाग्र्सत इलाका के दौरा करि केंद्र के अपन रिपोर्ट देत. ओहि रिपोर्ट के आधार पर बिहार के मदद... सहायता के बारे मे फैसला कएल जाएत. केंद्रीय कृषि मंत्री ओना स्वीकार करि चुकल छथिन्ह जे देश के करीब 250 जिला सूखाग्रस्त अछि...आओर हाल खराब अछि. केंद्रीय टीम के नेतृत्व करि रहल छथिन्ह केंद्रीय कृषि मंत्रालय के संयुक्त सचिव आर के तिवारी.  टीम मे कृषि...जलसंसाधन... वित्त... ग्रामीण...शहरी विकास ...पशु संसाधन मंत्रालय आओर राष्ट्रीय योजना आयोग के प्रतिनिधि शामिल छथिन्ह.   
टीम के प्रतिनिधिमंडल लोक सभ सं मिलि... किसान सभ सं मिलि...राहत...सरकारी मदद फसल के बर्बादी के बारे मे...नुकसान के बारे मे जानकारी लेथिन्ह. एहि सं पहिने बिहार सरकार केंद्र सं सूखा के स्थिति के जायजा के लेल टीम भेजय के आग्रह कएने छल. बिहार के 38टा मे से 26टा जिला सूखाग्रस्त घोषित कएल गेल अछि. नीतीश सरकार के कहनाय अछि जे जरूरत पड़ला पर सूखाग्रस्त जिला के संख्या बढ़ाएल जा सकैत अछि. सूखाग्रस्त इलाका मे सभ तरहक लोन के वसूली रोक देल गेल अछि. सरकार के तरफ सं कई तरहक मदद देनाय सेहो शुरू करि देल गेल अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


Comments

  1. क्षेत्रीय घटनाओं पर नज़र रखने और उन्हें हम तक पहुचाने के लिए धन्यवाद !
    मूलत: मै पटना का रहने वाला हूँ और मै चाहता हूँ की अपने क्षेत्र की घटनाओं को मै "हेल्लो मिथिला" के माध्यम से आप तक पंहुचा सकू ! मुझे भोजपुरी लिखने मे परेशानी होती है , क्या मै हिंदी मे लिख सकता हूँ ?
    आपका
    पंकज कुमार
    पटना
    मो- +919654220190

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

किछ हरायल शब्द

हमर विआह-10

पूर्णिया मे सुखोई

हमर विआह -1 (पहिल कड़ी)

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

राग-विराग

एहिना मिलत मिथिला राज्य?

हमर विआह- 8