नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

खबर के संग इनाम...

बीबीसी रेडियो जकां जर्मन रेडियो... डॉयचे वेले  के रेडियो सेवा सेहो हिंदी मे अछि. अपन बिहार...मिथिला मे काफी सुनल सेहो जाएत अछि. ओना दिल्ली एनसीआर तरफ बीसीसी... डॉयचे वेले के प्रसारण ओतेक नीक नहि अछि. नीक सं सुनाए नहि दैत अछि. आब रेडियो सुनय के ओतेक मौका त नहि मिलैत रहैत अछि मुदा बीबीसी... डॉयचे वेले के इंटरनेट साइट पर जाएत रहय छी. दुनु साइट हरदम अपडेट होएत रहैत अछि. दुनु रेडियो मे हमर जान- पहचान के लोक सेहो काज करय छथि.
खबर...फीचर आओर दोसर चीज त इंटरनेट वाला साइट पर अछिए मुदा डॉयचे वेले के साइट पर एकटा नीक चीज ई अछि जे अहां समाचार पढ़य के संग- संग इनाम सेहो जीत सकय छी. एकर साइट पर अहां जाएब त राइट साइड मे लिखल अछि  जीतिए शानदार इनाम. अहां ओकरा क्लिक क तरीका जानि लिअ. असल मे डॉयचे वेले के  कोनो समाचार मे सवाल के निशान रहैत अछि ओहि मे एकटा कोड आओर तारीख लिखल रहैत अछि अहां के बस कोड आओर तारीख ओकरा मेल कs बताबय के अछि.
पहिल दिन नहि... दोसर दिन नहि... दू चारि दिन बात अहां जरूर कोनो नहि कोनो इनाम जीत सकय छी. हमरा सेहो एकटा डायरी... पेन...गुब्बारा मिलल इनाम मे.  त बीच-बीच मे खाली समय मे मौका मिलय त इनाम जीतय क कोशिश सेहो कs लेल करु.  साइट पर अहांक नाम सेहो विजेता के रुप मे देल जाएत. आओर सभ सं नीक बात ई अछि जे ई इनाम रवि के छो़ड़ि सभ दिन देल जाएत अछि. एहि लेल मौका सेहो बेसि रहैत अछि.
Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु