खबर के संग इनाम...

बीबीसी रेडियो जकां जर्मन रेडियो... डॉयचे वेले  के रेडियो सेवा सेहो हिंदी मे अछि. अपन बिहार...मिथिला मे काफी सुनल सेहो जाएत अछि. ओना दिल्ली एनसीआर तरफ बीसीसी... डॉयचे वेले के प्रसारण ओतेक नीक नहि अछि. नीक सं सुनाए नहि दैत अछि. आब रेडियो सुनय के ओतेक मौका त नहि मिलैत रहैत अछि मुदा बीबीसी... डॉयचे वेले के इंटरनेट साइट पर जाएत रहय छी. दुनु साइट हरदम अपडेट होएत रहैत अछि. दुनु रेडियो मे हमर जान- पहचान के लोक सेहो काज करय छथि.
खबर...फीचर आओर दोसर चीज त इंटरनेट वाला साइट पर अछिए मुदा डॉयचे वेले के साइट पर एकटा नीक चीज ई अछि जे अहां समाचार पढ़य के संग- संग इनाम सेहो जीत सकय छी. एकर साइट पर अहां जाएब त राइट साइड मे लिखल अछि  जीतिए शानदार इनाम. अहां ओकरा क्लिक क तरीका जानि लिअ. असल मे डॉयचे वेले के  कोनो समाचार मे सवाल के निशान रहैत अछि ओहि मे एकटा कोड आओर तारीख लिखल रहैत अछि अहां के बस कोड आओर तारीख ओकरा मेल कs बताबय के अछि.
पहिल दिन नहि... दोसर दिन नहि... दू चारि दिन बात अहां जरूर कोनो नहि कोनो इनाम जीत सकय छी. हमरा सेहो एकटा डायरी... पेन...गुब्बारा मिलल इनाम मे.  त बीच-बीच मे खाली समय मे मौका मिलय त इनाम जीतय क कोशिश सेहो कs लेल करु.  साइट पर अहांक नाम सेहो विजेता के रुप मे देल जाएत. आओर सभ सं नीक बात ई अछि जे ई इनाम रवि के छो़ड़ि सभ दिन देल जाएत अछि. एहि लेल मौका सेहो बेसि रहैत अछि.
Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

फेर अगुआ बनत बिहार

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर