बाढ़ि सं तबाही...

सीतामढ़ी के रुन्नीसैदपुर मे तटबंध टूटला के बाद सं बड़का इलाका मे बाढ़ि आबि गेल अछि.  कइटा गाम मे पानि घुसि गेल अछि.  कतेक गाम-घर डूबि गेल अछि.  लोक के भारी परेशानी के सामना करय पड़ि रहल छनि.  ओना काल्हि कइटा बड़का अधिकारी सभ इलाका के दौरा कs मुख्यमंत्री के रिपोर्ट देलखिन्ह जकर बाद  खुद मुख्यमंत्री नीतीश कुमार इलाका के हवाई सर्वेक्षण कएलखिन्ह.  दौरा कएला के बाद मुख्यमंत्री तटबंध टूटय के कारण के जांच के आदेश द देलखिन्ह.
बाढ़ि के बाद सं लोक सभ ऊंच स्थान पर शरण लेने छथिन्ह.  किछ लोक त गाम- घर मे जे छत वाला मकान अछि ओहि पर जा क रहि रहल छथिन्ह.  बेसि लोक त जी- जान बचाकs बांध पर शरण लेने छथिन्ह.  बाढ़ि मे त इहे होएत अछि जे खाए-पिबय... दिशा-शौच सभ के दिक्कत.  चारु कात पानिए पानि.  एकरे संग बागमती मे जलस्तर बढ़य सं पानि के धार सेहो तेज अछि.  ओना एहि बेर एक बात अछि कि मुख्यमंत्री के निर्देश पर प्रशासन तुरंत हरकत मे आएल अछि.  लोक के तिरपाल आओर चूड़ा-गुड़ बांटल गेल अछि.  मुदा अखनो बड़ लोक के शिकायत छनि जे हुनका कोनो राहत... मदद नहि मिललन्हि.
बागमती के पानि बढ़य के कारण सीतामढ़ी सं मुजफ्फरपुर के बीच मेन रोड... नेशनल हाइवे पर सेहो डांरि भर पानि चलि रहल अछि. अखन त पानिए के बीच केहुना कs लोक आ-जा रहल छथि.  मुदा पानि किछ आओर बढ़ल त हाइवे सेहो बंद भ सकैत अछि आओर सड़क सम्पर्क टूटि सकैत अछि. ओना दोसर आओर कइ इलाका के सड़क सम्पर्क त पहिनहिं टूटि चुकल अछि.

Share/Save/Bookmark

हमर ईमेल:- hellomithilaa@gmail.com

Comments

  1. dukha ho raha janakar aapane sagi sambadhi ke khati .......par aapaki janakari achchhi hai

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

कि कि नहि कराएत ई बाढ़ि... ki ki nai karaait ee baarhi

ऑर्कुट-मैं हूं ना

मिथिला बिन बिहार आ बिहार बिन देशक विकास संभव नहि- नीतीश

मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल के भेल रंगारंग शुरुआत

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश