सीतामढ़ी निर्मली रेल लाइन के सर्वे शुरू

मिथिला के लोकसभ के लेल एकटा नीक खबर अछि. खबर अछि जे सीतामढ़ी-निर्मली के बीच नवका रेल लाइन के लेल सर्वे के काज शुरू भ गेल अछि. पूर्व रेल मंत्री लालू प्रसाद यादवजी सीतामढ़ी सं निर्मली के जोड़य के मांग के अपन मंजूरी देने छलखिन्ह. मुदा हुनका मंत्री पद सं हटला के बाद लोक सभ के लागए लागल छल जे आब ई लाइन के काज ठंडा बस्ता मे डाएल देल जाएत. मुदा सर्वे शुरु होए के खबर सं लोक मे खुशी के एकटा नवका संचार होए लागल अछि. सीतामढ़ी सं निर्मली के बीच बनय वाला ई रेल लाइन करीब दू सय किलोमीटर के होएत. ई रेल लाइन सीतामढ़ी सं सोनबरसा... सुरसंड... भिटठामोड़... साहरघाट... उमगांव... जयनगर... तेनुआही... लदनियां... लौकहा... लौकही भ निर्मली के जोड़त.
उम्मीद अछि जे सर्वे के काज एक मास मे पूरा करि लेल जाएत. सर्वे के काज भेलाह पर अगर सभ किछ नीक रहल... रेलवे के नीक दृष्टि रहल त दुर्गापूजा बाद माटि भराय के...जमीन के ऊंच करय के काज शुरू करि देल जाएत. ई रेल लाइन अगर बनैत अछि त बिहार के लोक के त फायदा होएबे करत नेपाल के लोक सभ के सेहो सुविधा मिलतन्हि. ई पूरा इलाका बिहार आओर नेपाल के बॉर्डर वाला इलाका अछि आओर कई ठाम बॉर्डर के प्रमुख स्थान सं मिलैत अछि. भिट्ठामोर... साहरघाट... जयनगर... लौकहा... लौकही सभ बॉर्डर के पास अछि. भारत के लेल ई लाइन बनानाए सामरिक दृष्टि सं सेहो नीक रहत. संगहि संगह मिथिला के ई पिछड़ल इलाका के किछ विकास सेहो होएत.

Share/Save/Bookmark

हमर ईमेल:- hellomithilaa@gmail.com

Comments

Popular posts from this blog

कि इहे सभागाछी अछि ?

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

हमर विआह- 8

दरभंगा मे नवाह यज्ञ

की फेर गुंजत ओ आवाज?

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

मोन मिथिले मे अछि...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित