बिहार मे 26 जिला सूखाग्रस्त घोषित

बिहार मे 26टा जिला के सूखाग्रस्त घोषित करि देल गेल अछि. मंत्रिमंडल के बैठक मे एहि बारे मे फैसला कएल गेल. ओना जिला के संख्या अखन आओर बढ़ि सकैत अछि. सूखाग्रस्त घोषित होए के बाद एहि जिला के किसान आओर लोक के सरकार सं कई तरहक राहत मिलत.
जेहि जिला के सूखाग्रस्त घोषित कएल गेल अछि... ओहि मे पटना, नालंदा, भोजपुर, कैमूर, बांका, बेगूसराय, कटिहार, गया, बक्सर, रोहतास, जहानाबाद, अरवल, नवादा, औरंगाबाद, मुंगेर, जमुई, शेखपुरा, लखीसराय, भागलपुर, सारण, सीवान, मुजफ्फरपुर, सीतामढ़ी, मधेपुरा, किशनगंज आओर वैशाली शामिल अछि. एहि जिला के सूखाग्रस्त घोषित कएला के बाद सरकार केंद्र सं एक बेर फेर विशेष आर्थिक पैकेज देबय के आग्रह करलक. जकर उम्मीद कम अछि.
बैठक के बाद मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के कहनाय छलन्हि जे एहि साल मानसून के दौरान कम पानि भेल अछि...जेहि के कारण धान के बुआई काफी कम भेल अछि. एकर असर पैदावार पर पड़ि सकैत अछि. सूखाग्रस्त छबीसों जिला मे एक- एकटा कंट्रोलरुम बनाएल जाएत. टास्कफोर्स बनाएल जाएत. किसान भाई सं सभ तरहक कर्ज आओर लगान के वसूली स्थगित रहत. माल-मवेशी के लेल चारा के इंतजाम कएल जाएत. दोसर कई तरहक राहत देल जाएत.
ओना एहि लिस्ट के बाद विवाद उठनाय तय अछि. सहरसा मे त पहिनहि विरोध शुरू भ गेल छल. आब देखिऔ सीतामढ़ी... मुजफ्फरपुर अखन बाढ़ि सं दू-चारि भs रहल अछि. तटबंध टूटला के बाद कइटा गाम पानि मे डूबल अछि. मुदा कइटा जिला अखनो एहन अछि जे सूखाग्रस्त अछि मुदा ओ एहि लिस्ट मे नहि अछि. लिस्ट देखला के बाद साफ पता चलत जे बिहार के 38 मे सं जे 26 जिला के सूखाग्रस्त घोषित कएल गेल अछि ओ राजनीतिक कारणे सं अछि. लिस्ट मे मुजफ्फरपुर... सीतामढ़ी अछि मुदा दुनु के बीत के शिवहर नहि अछि. मुजफ्फपुर आओर बेगूसराय के बीच समस्तीपुर... दरभंगा... मधुबनी आओर कोसी वाला ओ इलाका जे पिछला साल बाढ़ि सं डूबल छल एङि बेर सूखल अछि ओकरा बारे मे किछ नहि कहल गेल.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


Comments

  1. नीतीशजी को ये काफी पहले कर देना चाहिए था। अब तो फसल बचाने के लिए लोगों के पास समय भी नहीं है ।
    संजय सिंह
    पटना

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

कि कि नहि कराएत ई बाढ़ि... ki ki nai karaait ee baarhi

पूर्णिया मे सुखोई

मिथिला बिन बिहार आ बिहार बिन देशक विकास संभव नहि- नीतीश

हमर विआह-10

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल