खबर अछि जे केंद्रीय जल संसाधन मंत्री पवन कुमार बंसल 12 तारीख के कुसहा इलाका के दौरा करताह. पिछला साल 18 अगस्त के एहिठाम बांध टूटला सं उत्तर बिहार के एकटा बड़का इलाका पानि मे बहि गेल छल. कोसीक बाढ़ि सं भारी तबाही भेल छल. ओना सरकार के कहनाय अछि जे बांध के मरम्मत के सभ काज पूरा कs लेल गेल अछि. आओर डरय के कोनो गप नहि अछि. मुदा आई-काल्हि नेपाल मे भs रहल दिन-राति मुसलाधार पानि सं हालात एक बेर फेर खराब भेल जा रहल अछि. नेपाल सं आबय वाला कोसी आओर दोसर नदी मे पानि उफान पर अछि. जलस्तर बढ़ल जा रहल अछि. नेपाल के नदी मे पानि छोड़ला सं कइटा इलाका मे पानि सेहो घुसि गेल अछि. लोक सभ सुरक्षित स्थान पर जाए लगलाह अ. जलस्तर बढ़ला सं सरकार आओर प्रशासन सेहो सतर्क अछि. ओना कुसहा मे बांध पर काज करय वाला इंजीनियर के संग नेपाल के तरफ सं परेशानी सेहो आबय के खबर अछि. खबर अछि जे इंजीनियर सभ के संग मारिपीट सेहो कएल गेल. एकरा गंभीरता सं लैत केंद्र सरकार कुसहा के बांघ के स्थिति के बारे मे राज्य सरकार से रोज रिपोर्ट देबय लेल कहलक अछि. केंद्र के तरफ सं बिहार सरकार ओर नेपाल के राजदूत सं सेहो बातचीत कएल गेल अछि.
Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...
Comments
Post a Comment