बाबाधाम जाए वाला कांवडिया के लेल एकटा नीक खबर अछि. झारखंड सरकार डाक बम के सुविधा फेर सं बहाल करि देलक अछि. असल मे एहि बेर डाक बम के जे विशेष सुविधा मिलैत छल ओकरा बंद करि देल गेल छल. एहि बात पर डाक बम सभ सुल्तानगंज मे काफी हो-हल्ला आओर तोड़-फोड़ कएने छलाह. एकर बाद बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार झारखंड के राज्यपाल सैयद सिब्जे रजी जी सं बात करि सुविधा फेर सं बहाल करय के अनुरोध कएलखिन्ह. जेहि पर ई फैसला आएल अछि. मुदा डाक बम के ई सुविधा चारिए दिन मिलतन्हि... बुध... वृहस्पति... शुक्र आओर शनि दिन. डाक बम रवि... सोम आओर मंगल दिन एहि विशेष सुविधा के लाभ नहि उठा पएताह. एहि फैसला के बाद सुल्तानगंज मे डाकबम के प्रमाण पत्र देबय के काज फेर सं शुरू भ गेल अछि. डाक बम सुल्तानगंज सं जल भरला के बाद चौबीस घंटा के अंदर जल ढारय छथिन्ह. एकरा एक तरह सं कांवड़िया सभ के मैराथन कहि सकैत छी. डाक बम वाला कांवड़िया दौड़ेत... दौड़ेत अपन यात्रा पूरा करय छथिन्ह...बीच मे आराम नहि करैत छथिन्ह.
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु