फेर साजिश...

केंद्रीय मंत्रिमंडल ...  कैबिनेट मे कोनो प्रतिनिधि नहि होए के कतेक नुकसान होएत अछि एकरा बिहार सं बेसि कोई नहि समझि सकैत अछि.  बिहार सं रेल प्रोजेक्ट के बाहर ल जाए के बात भए रहल छल... मुदा  राज्य के नेता सभ के विरोध के बाद ई बात आगां नहि बढ़ल.  बिहार सं आर्मी सर्विस कोर के बंगलुरु ल जाए के बात ठंडा नहि भेल छल कि एकटा आओर दफ्तर के बिहार सं  बाहर ल जाए के बात शुरू भs गेल अछि.  एहि बेर गप  भ रहल अछि बिजली के उपकरण बनाबय वाला भारत हैवी इलैक्ट्रिकल लिमिटेड... BHEL के.  खबर अछि जे बिहार मे भेल के दफ्तर अछि ओकरा बंगाल ल जाए के कोशिश भs रहल अछि.  बिहार के ऊर्जा मंत्री रामाश्रय प्रसाद सिंह जीक कहनाय छनि जे भेल के दफ्तर पश्चिम बंगालके दुर्गापुर ल जाए के कोशिश भs रहल अछि. जखन कि भेल के एकटा दफ्तर कोलकाता मे पहिनहिं सं अछि.  सिंहजी के कहनाय छनि जे बिहार एहि तरहक कोनो कोशिश के विरोध करत आओर एकरा नहि जाए देत.


केंद्र सरकार ई सभ करि के कि संदेश देबय चाहैत अछि ?   कि केंद्र के नजर मे बिहार के कोनो  महत्व नहि अछि?  कि देश के राजनीति सिर्फ वोटे के लेल होएत रहत?   सिर्फ बंगाल के लाल गढ़ पर... राइटर्स बिल्डिंग पर कब्जा के लेल केंद्र कतेक गिरत.  वाम सरकार के हटाबय लेल एकटा बिहारे के बलि चढ़ाएल जाएत ?   कि बिहार के विकास के बिना बंगाल के... भारत के  नाम रहत ?   कि बिहार ओतेक गेल गुजरल  अछि जे एकरा संग एतेक भेदभाव के कोशिश भ रहल अछि ?   कि केंद्र सरकार तखने चेतय अछि जखन कश्मीर... पंजाब... पूर्वोत्तर जकां हिंसा होई लागैत अछि ?  शांति सं बात करय वाला के किएक नहि सुनैत अछि?
बिहार के विरोध पर रेल प्रोजेक्ट फिलहाल बाहर  नहि गेल...  मुदा अहां कतेक बात पर विरोध जतएबय ?  कि छोट -छोट बात के लेल सड़क पर निकलय पड़त ?  कि बिना हो-हल्ला करने सरकार नहि सुनत.?  अहां कि कहैत छी ?
Digg!

Bookmark and Share

Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

अथ श्री-श्री 108 स्वामी अनचिन्हारानन्द विरचित कलन्किया कथा

कुंद नहि होबाक चाही रचनाधर्मिता केर धार- रविन्द्र नाथ ठाकुर

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा

दरभंगा सं मरीज के लेल हवाई सेवा

दरभंगा लेल हवाई सेवा !

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा