नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

ममता के रेल बजट

नबका रेल बजट आबि गेल . रेल मंत्री ममता बनर्जी के एहि रेल बजट मे नहि त यात्री किराया बढ़ाएल गेल अछि आओर नहिं माल भाड़ा. गरीब लोक के लेल 25 रुपया के एकटा मंथली पास सेहो शुरू कएल जा रहल अछि.  एकर लाभ गरीब लोक... जिनकर मासिक आमदनी 1500 रुपया सं कम छनि हुनका मिलि सकय छनि.  ई पास एक सय किलोमीटर तक आबय जाए लेल बनत.  एकरे संग स्टूडेंट कंसेशन के सहो बढ़ा कs 60 फीसदी करि देल गेल अछि.  मान्यता प्राप्त पत्रकार लोकनि के रियायत सेहो बढ़ाक 50 प्रतिशत करि देल गेल अछि  ओर हुनका अपन पति/ पत्नी के संग साल मे एक बेर छूट पर यात्रा करय के सुविधा सेहो मिलतन्हि. 


गांव मे आब टिकट रिजर्वेशन के लेल मोबाइल वैन चलत.  एकरे संग आब प्रमुख पोस्ट ऑफिस मे सेहो टिकट कटा सकय छी.  आब हर सांसद अपना चुनाव क्षेत्र मे एकटा टिकट रिजर्वेशन कांउटर खोलबा सकैत छथिन्ह.  दूर तक जाए वाला ट्रेन मे आब डॉक्टर सेहो रहताह.  मुम्बई के तरह आब दिल्ली... कोलकाता ओर चेन्नई मे सेहो लेडीज स्पेशल ट्रेन चलाएल जाएत.  सातटा प्रमुख स्टेशन पर एम्बुलेंस के सुविधा सेहो मिलत.  तीन सय पचहत्तर रेलवे स्शन के आदर्श स्टेशन बनाएल जाएत.  जेहि मे सं तीन सय नौ के नाम चुनि लेग गेल अछि.  देश के पचासटा स्टेशन के विश्वस्तर के बनाएल जाएत.  तुरंत नाम सं बारहटा नॉन-स्टॉप ट्रेन चलाएल जाएत. तत्काल स्कीम मे पहिने जे टिकट अहां पांच दिन पहिले कटा लैत छलहुं आब ओ दु दिन पहिने तक कटा सकैत छी.  एहि पर लगय वाला शुल्क के सेहो घटा कs एक सय रुपया करि देल गेल अछि.
Bookmark and Share

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु