अहां सभ के ई जानि खुशी होएत जे अहांक सभ सं लोकप्रिय मैथिली ब्लॉग हेलो मिथिला रैंकिंग मे कइटा टॉप हिंदी आ अंग्रेजी के ब्लॉग सं आगां अछि. ई सभ अहां सभक प्यार... प्रेम... आशीर्वाद... अपनापन के कारण अछि. मुदा अहांक हेलो मिथिला आगां सेहो नीक सं आगां बढ़ैत रहय... तकरा लेल अहां सभ अपन अनमोल राय... सुझाव... विचार सेहो राखल करिऔ. अहां सभ सेहो एहि मंच... दलान पर लिखल करु. एकर लोकप्रियता के फायदा उठाउ. अपन मिथिलाक गाम-घर के... सुख-दुख के गप एक दोसरा के संग बांटय के कोशिश करु. अपन इलाका के विकास के गप सं दोसर लोक के सेहो अवगत कराबिऔ. गाम-घर के कोनो नेना-धिया-पुता नीक काज करैत अछि. कोनो प्रतियोगिता मे नीक स्थान पाबैत अछि. गाम -घर के नाम ऊंच करैत अछि. ओकरा सभ लोक के संग साझा करु. एक -दोसरा के बताबिऔ... एक दोसरा सं बतिआउ. गाम-घर मे किछ भ रहल अछि हमरा बताउ हम ओकरा जरूर एहि मंच पर राखब. कोनो समस्या होए... परेशानी होए. एहि ठाम राखु... भ सकैत अछि ओ हमरा सं दूर नहि होएत ... मुदा हेलो मिथिला के पढ़य वाला जे हजारों मैथिल भाई- बहिन लोकनि छथिन्ह. ओ जरूर दूर करताह. सभ मिलि जुलि के कोशिश करताह. एतबा नहि कोनो कविता... कहानी... लोककथा अछि... फकरा अछि... दु लाइन लिखि कs भेज दिअ. हमर ई-मेल अछि hellomithilaa@gmail.com बस याद राखब जे hello mithilaa के आखिर मे डबल ए अछि. त देर कोन बात के अखने लिखनाय शुरू करु आओर भेज दिअ अपन कोनो रचना. हेलो मिथिला खुलय मे कोनो दिक्कत हुए त मोजिला फायरफॉक्स मे खोलय के कोशिश करु आ फेर google... Yahoo... Raftaar या Bing search मे हेलो मिथिला सर्च करु. ब्लॉग के लिंक मिलि जाएत फेर ब्लॉग पर चलि जाउ. त अहां सभ के एक बेर फेर सं प्रणाम... आभार आओर धन्यवाद.
बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही? Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...
श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...
पिछला लेख मे हम अहां के कहने छलहुं जे बिहार सं रेल इंजन निर्माणक दु टा परियोजना आब बंगाल जा सकैत अछि. एहि पर नई दुनिया मे एकटा स्पेशल स्टोरी आएल अछि. लेख अछि ममता के एजेंडे मे बिहार से छीनो. बंगाल को दो नई दुनिया के एहि विशेष स्टोरी के अनुसार ममता बनर्जी आई-काल्हि कोलकाता मे बैसि बजट बनाबय के तैयारी मे लागल छथीह आओर एकर घोषणा आबय वाला रेल बजट मे भs सकैत अछि. एहि बारे मे एकटा खबर पहिनहुं बिजनेस के प्रतिष्टित साइट www.livemint.com मे सेहो आएल छल. आओर जखन हम एहि पर बिहार के झटका लिखलहुं त लोक सभ कहय लगलाह अहां अनेरो बात के तूल द रहल छी. अगर ई तूल देनाय छै त बैसल रहुं मुंह छिपा कs. खेलैत रहुं ताश आओर मारैत रहुं गप. ममता बनर्जी जकां नेता अहां के एहि आलस्यपन के फायदा उठा सभ प्रोजेक्ट अपना ठाम लs जएताह. तखन हाथ मलैत रहब. आबो जागु नहिं त सुतले कि आओर जागले कि वाला हाल भs जाएत. अपने जागु आओर अपन एमपी सभ के सेहो जगबिओन्हि. दूनु परियोजना कि शिफ्ट करय के खिलाफ अभियान चलाउ. अपन राय राखु... अपन विरोध जताउ.
मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...
दिल्ली के प्रेस क्लब ऑफ इंडिया मे शनि दिन, 12 नवम्बर के मिथिला महोत्सव-6 आ मैथिली साहित्य महोत्सव-3 के आयोजन कएल गेल। मैथिल पत्रकर ग्रुप द्वारा प्रेस एसोसिएशन, प्रेस क्लब ऑफ इंडिया आ ओखला प्रेस क्लब के सहयोग स एहि कार्यक्रम केर आयोजन कएल गेल। आयोजनक शुरुआत मैथिली साहित्य महोत्सव ३ सं भेल। साहित्य महोत्सव के दू सत्र मे दूटा विषय पर चर्चा भेल, ‘हवाई जहाज दरभंगा पहुँचला पर मिथिलाक विकास केँ कतेक पाँखि भेटल’ आ
दिल्लीक ताज पैलेस होटलमे 31 अगस्तक दिन आयोजित भव्य संगोष्ठी आ पुस्तक विमोचन समारोह मिथिला आ सम्पूर्ण भारतक सांस्कृतिक आ ऐतिहासिक चेतनाक दृष्टिकोण सं एकटा महत्वपूर्ण अवसर रहल। एहि आयोजनक मुख्य विषय छल 'भारतक आध्यात्मिक, सांस्कृतिक आ
हेलो मिथिलाक एकटा पाठक छथिन्ह ब्रजेश झाजी . ब्रजेश जीके हेलो मिथिला नीक लगय छनि एकरा लेल हुनका धन्यवाद. ब्रजेश जी आईबीएम मे काज करय छथिन्ह आओर ओ अपना दिस के लोक के मदद करय चाहय छथिन्ह. अगर अहां सभ मे सं किनको आईटी... कम्प्यूटर सं जुड़ल काज चाही त हिनका सं सम्पर्क कs सकय छी. हुनकर लिखल पत्र के हम एतय अहां सभ के लेल राखि रहल छी. Mithila Pariwar k Namaskar, Hum aaj k khabar padhe ke darmyan ek ta cheez dekhli jon cheez se hum bahut prabhavit bheli ki apan maithil parivaar "Hello Mithila" ka madhyam se Delhi me rahewala mithila ke logak ke lel Job k jankari bahut achha lagal, aaise naya awewala log aa je apan vartman Job badle ke chahi chhat unka bahut madad miltain. Hum ek cheez apne ke madhyam se batawe ke chahi chhi ki je bhi log IBM mein job kare ke chahi chhat ta unka hamar number email address de del jao ya hamra email pe u log apan Resume bhej deth, humra se jaha tak madad ho sakat u hum karab. Qualificaion: Graduation, aa English bole, samjhe, aa likhe ke jankari h...
प्रसिद्ध मैथिली नाटककार महेंद्र मलंगिया जी एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित भेलाह। मलंगिया जी के रविदिन, 18 सितंबर के नेपालक राजधानी काठमांडू मे ‘हरिप्रसाद कल्याणी रिमाल नाट्यसंगीत पुरस्कार सं सम्मानित कयल गेलन्हि। मैथिली भाषा साहित्य नाट्यसर्जक आ निर्देशक महेंद्र मलंगिया जी मधुबनी जिलाक मलंगिया गाम के रहय वाला छथिन्ह। हिनका एहि सं पहिने मैथिली भाषाक प्रतिष्ठित प्रबोध सम्मान, पाटलिपुत्र सम्मान, विद्यापति सेवा संस्थान सम्मान, रंग रत्न उपाधि
दरभंगा के पहचान अगर किछ सं अछि... कोनो चीज सं अछि... त कहि सकय छी दरभंगा महाराज सं अछि... दरभंगा महाराज के भव्य महल सं अछि... राज कैम्पस सं अछि... कैम्पस मे बनल भव्य मंदिर सं अछि... महाराजक मूर्ति सं अछि... राज कैम्पस मे बनल दु- दु टा विश्वविद्यालय सं अछि. मुदा अहां के ई जानि क अचरज होएत जे दरभंगा के एहन भव्य रूप देबय वाला... राज कैम्पस के एहन रूप देबय वाला महाराजधिराजक मूर्ति सं आंखि निकालि लेल गेल अछि. एकरा अहां कि कहबय जे जिनका जिबैत लोक हुनका सम्मान मे आंखि तक नहिं उठाबैत छलाह... आई हुनकर मूर्ति सं आंखि तक निकालि लेल गेल अछि. एकरा अहां निकालि लेल गेल अछि नहिं बल्कि चोरि करि लेल गेल अछि कहि सकय छी. किएक त ई आंखि कोनो साधारण आंखि नहिं छल बेशकीमती पत्थर सं बनल छलि. हीरा... जवाहारात सं बेसि कीमती पत्शर सं. कहल जा रहल अछि जे अंतरराष्ट्रीय बाजार मे एहि एक आंखि केर कीमत एक करोड़ रुपया अछि. दरभंगाक राज कैम्पस... दरभंगा महाराजधिराज केर शानोशौकत के निशानी अछि. एहि कैम्पस मे दरभंगा के पहिल महाराजधिराज पंडित महेश ठाकुर... दोसर महाराजा रामेश्वर सिंह आओर महाराज लक्ष्मेश्वर सिंह केर ...
बिहार मे सरकारी स्कूल के बच्चा सभ के लेल सेहो कम्प्यूटर सं पढ़ाई शुरू भs गेल अछि. ई संभव भेल अछि बिहार सरकार के ‘ई-समर्थ’ योजना के कारण. निजी- सरकारी भागीदारी सं शुरू भेल ई योजना अखन कक्षा 6, 7 आओर 8 के विद्यार्थी के लेल अछि. आगां एहि मे सभ क्लास के बच्चा के शामिल कएल जाएत. विद्यार्थी सभ के लेल 171 तरहक पाठ तैयार कएल गेल अछि जेहि सं बच्चा सभ के पढ़ाई मे रुचि जागए. नवका-नवका चीज नव ढंग सं सीख सकय...सोचि सकय. एक बात आओर जे अखन ई सुविधा बिहार के 244 मिडिल स्कूल मे शुरू कएल गेल अछि. अगर एकर रिपोर्ट उत्साहजनक रहल त राज्य के करीब सभ 25 हजार मिडिल स्कूल मे कम्प्यूटर सं पढाई शुरू करि देल जाएत. सरकार के कोशिश कम्प्यूटर के जरिए पढ़ाई-लिखाई के बच्चा सभ के लायक बनानाय... प्रभावी शिक्षा देनाय... मन लागय वाला पाठ...कहानी के माध्यम सं रोचक ढंग सं ज्ञान मे विस्तार लनाय अछि. कम्प्यूटर शिक्षा के माध्यम सं बच्चा सभ के आधुनिक शिक्षा मिलय. नव-नव चीज जानय लेल मिलय. कम्प्यूटर शिक्षा के लेल अखन हर स्कूल के तीन टा कम्प्यूटर...एकटा प्रोजेक्टर आओर जेनरेटर देल गेल अछि. एहि सं पहिने स्कूल के मास्टरजी के जरूर...
Comments
Post a Comment