Skip to main content

चीनी मिल के दिन फिरत...

मधुबनी जिला के सकरी आओर दरभंगा जिला के रैयाम चीनी मिल चालू भs सकैत अछि. बिहार सरकार एकरा फेर सं चालू करय लेल प्राइवेट... निजी हाथ मे सौंपय चाहैत अछि. एक बेर पहिनहुं खबर आएल रहय जे रैयाम चीनी मिल निजी हाथ मे सौंप देल गेल अछि. ओना सरकार एहि बेर बिहार के तीन टा चीनी मिल के निजी क्षेत्र के देबय के फैसला कएलक अछि. तेसर अछि गया जिला के गुरारु चीनी मिल. एकरो निजी हाथ मे द देल जाएत आओर एहि ठाम एकटा राइस मिल सेहो खोलल जाएत.
इलाका के विकास के लेल चीनी मिल के चालू होनाए एकदम जरूरी अछि. बिहार मे जतय उद्योग-धंधा नाम के लेल अछि... ओतय एहि चीनी मिल के फेर सं चालू भेलाह सं सैकड़ों लोक के रोजगार मिलत. हमरा याद अछि जे पंद्रह... बीस साल पहिने जखन रैयाम मिल चालू छल आसपास के इलाका के किसान सभ के स्थिति बेहतर छलन्हि. रैयाम के आसपास के इलाका सम्पन्न मानल जाएत छल,.. कहल जाएत छल जे रैयाम...बलिया... छतबन एहि गाम मे सभ घर पक्का अछि... कुसियार के खेती सं होए वाला कमाय के कारण.
पहिने हमरा गाम मे सेहो कुसियारक खेती खूब होएत छल... दादाजी ओर चाचाजी सभ जखन ट्रेक्टर सं कुसियार ल कs रैयाम जाए छलखिन्ह क कई बेर संगे-संग हमहुं जाए छलहुं. बचपन मे बड़ मन लगैत छल एम्हर –ओम्हर जाए मे... घुमय मे. केवटी सं... समैला... पचाढ़ी फेर रैयाम. रैयाम मे बनल क्वार्टर... मिल सं सटल हाई स्कूल... सामने बाजार जनाय नीक लगैत छल. रैयाम चीनी मिल के कारण दरभंगा... मधुबनी के आसपास के 10-15 किलोमीटर के गाम के किसान सभ के जीवन स्तर नीक भ गेल छलन्हि. मुदा एहन नजर लागल जे सभ भट्ठा बैसि गेल. बाद मे त सुनय के आएल जे लोक सभ एकर एक-एकटा मशीन के कबाड़ के भाव मे बेच देलखिन्ह. एक-एकटा नट... वोल्ट सभ पांच-पांच... दस-दस किलो के रहैत छल. कतेक बेच देलक कतेक मे जंग लागि गेल.
एकर बंद होए के कारण किछ सरकारी त किछ एहि मे काज करय वाला लोक सभ सेहो छथिन्ह. काज करलौं... नहि करलौं... आबैत छी... जाए छी... वजन किछ... भुगतान किछ... घोटाला... गड़बड़ी सभ किछ मिलि क नहि... बूंदे-बूंद नहि तालाब भरय छई आओर खाली होएत अछि. लोक के मानसिकता सेहो अजीब होएत अछि जखन काज नहि रहत त कहताह जे कोनो देखिऔ न... बस खाए जोकर पाई मिलि जाए हम संतोष क लेब... मुदा जखन पैर धरय दिऔ त पूरा पसैरि जएताह... एकदम सं लाट साहैब जकां. फेर हिनका सं किछ नहि करा सकय छी... लगि जएताह राजनीति मे... पान-तम्बाकू खाए मे... बिहार के पिछड़य मे एक कारण एकरो बुझि सकय छी.
Bookmark and Share

Comments

  1. श्री हितेन्द्र जी,
    अहांक ब्लॉग पढ़लहुं.अहाँक कार्य सराहनीय अछि.हेल्लो मिथिला के लेल सेहो धन्यवाद आ बधाई.
    धन्यवाद
    -कुसुम ठाकुर-

    ReplyDelete
  2. hitendra bhai ji pranan,
    apnek samachar chini mill ke bare me padhlahu e khabar padhi ka bahut khus bhelahu, mithila ke bikask lel sarkar ekta nik kadam achhi, apnek sab lekh,samachar sab sarahniya achhi hamra taraf sa samast hellow mithila pariwar ke hardik subhkamna

    WAKIL ROY
    +91-9958532621

    ReplyDelete
  3. श्रीमान हितेंद्र जी,
    साधुबाद.
    रैयाम्क चीनी मिल के बारे में अहांक लेख सराहनिए थिक मुदा किछु बात हमहूँ कहं चाहीत छी.

    * रैयाम के आस-पासक गाम जेना समैला,पचाढ़ी,नव-गावं,औंसी,बसौली,बनबारी,केवटी,बलिया,छतबन आदि गाम में किसान सबहक बेहतर स्थिति जे ऐछ ओकरा लेल कहियो चीनी मिल सहयोगी नहीं भेल.हाँ किछु आ कहियो काल एहेन भेल होए त दोसर बात अछी.रैयाम सं पश्चिम जे गाम सब थिक ओही गाम बाध में मूल रुपें तरकारिक खेती होएत आबि रहल अछी जे हुनक समृधि के मूल कारन थिक.
    * किछु गामक समृधि में विदेशक धनक हाथ अछी त किछु गामक लेल अगहनी /रब्बी. कुसियार त किन्नो नें.
    * जखन कि मिल चालित छल तहियो किसान सबकं कुसियार मिलक आगू में सुखिएत रहित छल आ जे मिलक अन्दर चली जायेत छल तकर पाई बहार आबए तक २ बेर कुसियारक खेती भ जाईत छल.
    * हाँ ई त मान परत कि मिल होमें स छेत्रक विकास होएत,लोग सबके रोजगार भेटत आ छेत्रक विकाश में सहयोगी होएत.
    * एकटा बात औरो कि लोग सब कर्तब्य हीन,आलसी ,राजनीतिबाज आ भ्रष्ट छैथ(किछु लोग ७५%) जे विकाश में सबसँ पैघ बाधाक कारन बुझना जाईत अछी. (एही मुद्दा पर फेर कहियो बात होएत.) एकरा त ओतेये के लोग सब हल क सकित अछी.
    * अंत में हमर अभिलासा अछी जे ई चीनी मिल जल्द सं जल्द पुनः खुली आ छेत्रक विकास में सहयोगी बनी.

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर