जॉर्ज फर्नांडिस राज्यसभा के लेल अपन नामांकन करि देलाह. जेडीयू के समर्थन के कारण हुनका राज्यसभा मे जनाए तय मानल जा रहल अछि. पिछला लोकसभा चुनाव के दौरान फर्नांडिस जी आओर जेडीयू के बीच दूरी आबि गेल छल. फर्नांडिस जी तखन मुजफ्फरपुर सं निर्दलीय चुनाव लड़लाह. मुदा हारि गेलाह. हुनकर कहनाय छलन्हि जे समाजवादी राज्यसभा मे नहि लोकसभा के लेल चुनल जाएत अछि. मुदा नीतीश जी के मनएला के कारण ओ राज्यसभा मे जाए लेल तैयार भ गेलाह. राज्यसभा के ई सीट शरद यादव जी के कारण खाली भेल अछि. शरदजी लोकसभा के सांसद बनि गेलाह अ.
No comments:
Post a Comment
अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु