कोसी बराज के फाटक टूटल

कोसी बराज के बारह नम्बर फाटक टूटि गेल. फाटक के उठाबय-गिराबय वाला जे काउंटर वेट होएत अछि ओहे टूटि गेल. ओकरा टूटला सं फाटक नदी मे गिर कs तिरछा भs कs फंसि गेल अछि. एकरा टूटि कs फंसला सं बगल वाला ग्यारह नंबर फाटक सेहो फंसि गेल अछि... आओर काम करनाय बंद करि देने अछि. ई दुटा फाटक के बंद होए सं कोसी बराज के कुल चारि टा फाटक खराब भs गेल अछि.

कोसी बराज मे कुल 56 टा फाटक अछि. एहि मे दुटा फाटक त करीब 27 साल सं खराब पड़ल अछि. एकर सात आओर आठ नम्बर फाटक 1982 सं बंद अछि. लापरवाही के अंदाजा अहां एहि सं लगा सकय छी जे एहिठाम केना काज होएत अछि. 27 साल सं दुटा फाटक बेकार बंद पड़ल अछि मुदा अखन धरि ठीक नहि कएल गेल अछि. आब ओहि मे टुटा ओर बेकार भs गेल अछि... देखबाक चाही ई कहिआ तक एहिना पड़ल रहत.
असल मे ई सभ नीक सं रख-रखाव आओर मरम्मत नहि भेलाह के कारण अछि. आओर एहि ठाम जे ट्रेंड इंजीनियर... जूनियर इंजीनियर होबाक चाही... हुनकर कमी अछि. हिनका सभ के कमी के कारण एहिठामक मशीन सभ के अट्रेंड... अकुशल लोक सभ चलाबैत छथिन्ह जेहि के कारण बीच-बीच मे छोट-मोट चीज होएत रहैत अछि. जे बाद मे विस्तार ल लैत अछि. जकरा परेशानी आम लोक के भुगतय पड़ैत छनि
 एहिठाम के 56 टा फाटक मे जे फाटक अछि ओ सभ लोहा... इस्पात के बनल अछि. एकटा फाटक के लम्बाई 60 फीट आओर चौड़ाई 21 फीट अछि. वजन करीब 28-28 टन... एकरा लोहा के रस्सी सं ऊपर उठाएल आ गिराएल जाएत अछि. नीक सं एकरा रखरखाव नहि भेलाह पर परेशानी होएत रहैत अछि. एहि फाटक के जतय सं कंट्रोल कएल जाएत अछि ओ कंट्रोल सिस्टम सेहो करीब 21 साल सं खराब पड़ल अछि.
ओना तकनीकी जानकार सभ के कहनाय छनि जे फाटक के खराब भेलाह सं फिलहाल कोनो दिक्कत नहि अछि मुदा जे रफ्तार सं पानि बढ़ि रहल अछि. ओकरा देखैत त लागय अ जल्दी किछ नहि कएल गेल त परेशानी बढ़ि सकैत अछि. आओर हालात बे-संभार भs सकैत अछि. लोक के दिमाग सं अखन धरि कोसी के पिछला साल के खौफ दूर नहि भेल अछि. एहन मे एहि तरहक लापरवाही के कि कहल जाए?
Bookmark and Share

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

कि कि नहि कराएत ई बाढ़ि... ki ki nai karaait ee baarhi

ऑर्कुट-मैं हूं ना

मिथिला बिन बिहार आ बिहार बिन देशक विकास संभव नहि- नीतीश

मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल के भेल रंगारंग शुरुआत

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश