नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

कहिआ तक बेइज्जत होएत रहत भारत...

देश के लेल एहि सं बेसि शर्म के बात कि होएत जे पूर्व राष्ट्रपति राष्ट्रपति डॉ एपीजे अब्दुल कलाम के संग जे बदसलूकी कएल गेल छल... ओकरा नागरिक उड्डयन मंत्रालय तीन मास धरि दबौने रहल. एकर जानकारी मंत्रालय के घटना के एक दिन बादहिं द देल गेल छल...मुदा कोनो कार्रवाई नहि भेल. प्रफुल्ल पटेल जीक मंत्रालय तखन जागल जखन दिल्ली के अखबार मे एहि बारे मे खबर आएल.
खबर अएला के बाद देश भर मे एकर निंदा कएल गेल. लोक सभ खिसिया गेलाह जे आखिर भारत के संग ई सभ कहिआ तक होएत रहत. भारत के गोर देश वाला सभ कहिआ तक बेइज्जत करैत रहत. विदेश के बात त छोड़ु जखन देश मे ई सभ होएत रहत... त एहि पर कि कहल जाए.
बात अछि 21 अप्रैलक राति के... पूर्व राष्ट्रपति डॉ. कलाम कांटीनेंटल एयरलाइंस के विमान सं न्यूयॉर्क जाए छलाह. दिल्ली के इंदिरा गांधी अंतरराष्ट्रीय हवाई अड्डा पर जखन कांटीनेंटल एयरलाइंस के अधिकारी पूर्व राष्ट्रपति के लाइन मे लगा सुरक्षा जांच के लेल जूता उतारय लेल कहलखिन्ह त हुनका संग मौजूद अधिकारी एकर विरोध कएलखिन्ह . बतएलखिन्ह जे हिनका सुरक्षा जांच सं छूट मिलल छनि. मुदा विदेशी एयरलाइंस अधिकारी एकरा अनसुना करैत डॉ कलाम के संग खराब बर्ताव कएलक. पूर्व राष्ट्रपति एहि पर अपन बड़प्पन देखाबैत कोनो शिकायत नहि कएलखिन्ह. ओना सुरक्षा अधिकारी के तरफ सं एहि घटना के रिपोर्ट ओहि दिन उड्डयन मंत्रालय के भेज देल गेल. मुदा मंत्रालय एकरा दाबने रहल. हल्ला भेलाह पर पटेलजी जगलाह आओर लोक के गुस्सा के देखैत कार्रवाई के बात कहलखिन्ह. लोक के नाराजगी के देखैत एयरलांइस के कारण बताओ नोटिस जारी कएल गेल.
संसद मे एहि मुद्दा पर काफी हंगामा भेल. बीजेपी नेता अरुण जेटली एकरा पूरा देश के अपमान बतएलखिन्ह . हुनकर कहनाय छलन्हि जे दोसर देश के नेता आबैत अछि त हम हवाईअड्डे पर हुनकर गर्मजोशी सं स्वागत करैत अछि. मुदा दोसर देश अपमान. समाजवादी पार्टी के प्रो. रामगोपाल यादव जीक कहनाय छलन्हि जे कंपनी के खिलाफ तत्काल कठोर कार्रवाई करबाक चाही जेहि सं आगां एहन घटना फेर नहि होए. आओर सुरक्षा जांच के लेल पूर्व राष्ट्रपति पर दबाव बनाबय वाला अधिकारी के तुरंत ओकर देश वापस भेज देबाक चाही.
कांग्रेस के जयंती नटराजन के कहनाय छलनि जे जखन धरि दोषी के सजा नहि मिलि जाएत अछि... कांटीनेंटल एयरलाइन के उड़ान रद्द करि देबाक चाही. भाजपा के सुषमा स्वराज के कहनाय छलनि जे अमेरिका से कोनो रिश्ता दोस्ती के स्तर पर होबाक चाही नहि कि दासता के स्तर पर. जेडीयू के शरद यादव आरोप लगएलखिन्ह दे सरकार राष्ट्रीय स्वाभिमान के कुचलि रहल अछि.
एतेक होएतहुं ओहि ढीठ कांटीनेंटल एयरलाइंस के नहि देखिऔ... ओकरा एहि पर कोनो पछतावा नहि... ओकर कहबाक छल जे ओ त अमेरिकी प्रोसीजर के पालन करि रहल छल. आओर एहि प्रक्रिया सं सभ यात्री के गुजरय पड़ैत अछि. ओना मामला के तूल पकड़ैत देखि एयरलाइन आब माफी मांगी लेलक अछि. मुदा कि सिर्फ माफी मांगला सं मामला शांत भ जाएत अछि.
ई पहिल बेर नहि अछि. एहि सं पहिनहुं जखन जार्ज फर्नाडिस रक्षा मंत्री छलखिन्ह... तखन अमेरिका मे जांच के नाम पर हुनकर कपड़ा उतारबा लेल गेल छल. एकटा केंद्रीय मंत्री के एहन बेइज्जती मुदा सरकार चुप्प रहल. सभ सं बड़का गप ई जे एहि बातक खुलासा भारत के कोनो अधिकारी नहि खुद अमेरिका के पूर्व उप-विदेश मंत्री स्ट्रोब टालबोट अपन किताब मे कएलखिन्ह ...तखन लोक के पता चलल.
पिछला साल सेहो मास्को हवाई अड्डा पर केंद्रीय मंत्री प्रणब मुखर्जी के जांच कएल गेल छलन्हि. मुदा ओहि टाइम अफसर सभ टोका-टोकी कएने छलखिन्ह. पूर्व लोकसभा स्पीकर सोमनाथ चटर्जी जीके त सुरक्षा जांच मे छूट नहि मिलला पर ऑस्ट्रेलिया आओर ब्रिटेन के अपन यात्रा रद्द करय पड़लन्हि.
इ सभ भारत के लचर रवैया के कारण अछि. भारत अपन कनि सख्त रुख अपनाबय त सभ ठिकान लगि जएताह. मुदा एहि के लेल मजबूत इच्छाशक्ति वाला नेतृत्व के जरूरत अछि... लिचर नेतृत्व के नहि. चाहे ओ विदेश मे भारतीय पर हमला होए आ वीआईपी के सुरक्षा जांच के... सरकार अगर गंभीर रहत त ककरो कि मजाल जे चूं-चां करत.

Share/Save/Bookmark


3 टिप्‍पणियां:

  1. Hello Mithila helps with my effort to improve my Hindi. Thanks.

    जवाब देंहटाएं
  2. Bilkul sahi bat hai aakhir kab tak bardast karen? aapko yad hoga kuch sal pahle Jorge Fernandies ke sath bhi wahan badsluki hui thi. Per ye to Bharat me hua hai.

    Vishal Singh
    Senior Producer Jain TV

    जवाब देंहटाएं
  3. Hi Sir,

    I want your suggestion about doing BJ from Pioneer Institute of Mass Communication one of my relative want to do mass communication course and current scenario is all institute has closed the admission so please suggest me for this.

    Kanchan Jha

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु