नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

सीतामढ़ी- बैरगनिया रेल लाइन...

सीतामढ़ी सं नरकटियागंज के बीच बड़ी लाइन बनय मे अखन टाइम लगत. दरभंगा- नरकटियागंज रेललाइन के बीच जखन दरभंगा सं सीतामढ़ी के बीच छोटी लाइन के बड़ी लाइन के बदलय के गप शुरू भेल रहय त लोक सभ अचरज भेल रहैनि. लोक सभ के तखनो कहनाय छलनि जे जखन पैसेंजर ओर दोसर सवारी गाड़ी दरभंगा आओर समस्तीपुर सं नरकटियागंज तक जाएत अछि त बड़ी लाइन सिर्फ सीतामढ़ी तक किएक भs रहल अछि. मुदा लोक सभ के यकीन रहैनि जे नरकटियागंज धरि सेहो जल्दीए बड़ी लाइन बनि जाएत. मुदा आब लागय अ एहि मे देर लागत. अखन लोक के दरभंगा सं बैरगनिया... रक्सौल...नरकटियागंज जाए के लेल सीतामढ़ी मे ट्रेन बदलय पड़य छनि. दू-चारि घंटा के रास्ता मे आब दिन भरि लगि जाएत अछि.
रेलवे के एकटा अफसर के कहनाय छनि जे नरकटियागंज धरि पूरा काज एके संग नहि होएत. शुरू मे अगिला साल मार्च धरि सीतामढ़ी सं बैरगनिया तक बड़ी लाइन बदलय के काज पूरा करय के कोशिश कएल जाएत. छोटी लाइन के बड़ी लाइन मे बदलय के काज अक्तूबर मे शुरू होए के उम्मीद अछि. काज शुरू होए पर सीतामढ़ी सं बैरगनिया के बीच रेल सेवा बंद करि देल जाएत. एहि ठाम के काज भेलाह पर साल 2011 तक रक्सौल के बीच काज पूरा करय के कोशिश कएल जाएत. आओर सभ सं अंत मे रक्सौल... नरकटियागंज के बीच के. रेलवे एहि इलाका के लोक के परेशान करय पर तुलल अछि. एकहि बेर मे पूरा काज नहि करा रहल अछि एहि सं यात्री सभ के काफी परेशानी के सामना करय पड़ि रहल छनि.

Digg!

Bookmark and Share

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु