दरभंगा के चंदनपट्टी मे आरजेडी कार्यकर्ता सम्मेलन मे मंच टूटला सं पार्टी प्रमुख लालू प्रसाद यादव जी गिर पड़लाह. मंच पर हुनका संग पूर्व केंद्रीय मंत्री रघुवंश प्रसाद सिंह आओर मो. अली अशरफ फातमी जी सेहो छलखिन्ह. हिनका सभ के हल्का-फुल्का चोट सेहो अएलन्हि. दलसिंहसराय के विधायक के कनि बेसि चोट लगलन्हि. हुनका कार्यक्रता सभ तुरंत कन्हा पर लादि बाहर कएलखिन्ह. चंदनपट्टी के कामरान स्कूल मे आरजेडी के प्रमंडलीय कार्यकर्ता सम्मेलन भ रहल छल. ई सम्मेलन लोक सभा चुनाव मे पार्टी के हार के बाद कार्यकर्ता मे नवका जोश भरल लेल कएल गेल रहय. मुदा मंच पर बेसि लोक के चढ़ि जएबाक कारणे टूटि गेल. मंच के चरमराएते ओहि ठाम भगदड़ जकां मचि गेल. लोक सभ भागल लगलाह. नीक गप ई रहल जे किनको किछ नहि भेलन्हि. सभ गोटे सुरक्षित छथि. बारिश के देखैत एहिठामक पंडाल वाटरप्रूफ बनाएल गेल छल आओर रास्ता भरि तोरणद्वार सभ सेहो बनाएल गेल छल. ओना बाद मे लालूजी आओर दोसर नेता सभ अपन पार्टी कार्यकर्ता के संबोधित कएलखिन्ह.
Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...
Comments
Post a Comment