नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

लॉटरी- ईनाम वाला ईमेल सं बचि कs...

Bookmark and Share Subscribe to me on FriendFeedAdd to Technorati Favorites

आई-काल्हि लोक सभ के पास ईमेल पर एहन–एहन मेल आबि रहल अछि जकरा हुनका सं कोनो
ताल्लुके नहिं रहय छनि... मुदा निशाना हुनके बनाएल गेल रहय छनि. भने अहां कोनो
प्रतियोगिता... क्विज मे लाग लेने होए आ नहिं. मुदा अहांक से पास जे मेल आएत ओहि
मे अहां के बताएल जाएत कि अहां फलां लॉटरी आ ईनाम जीतलौं अ. अहां भने कोनो
नौकरी के लेल फॉर्म भरने होए आ नहिं मुदा अहां के नौकरी के ऑफर मिलत... विदेश
मे नौकरी के चुनल जाए के पत्र मिलत. विदेश मे कोई होए आ नहिं अहां के पास मेल
आएत जे फलां आदमी मरला के बाद अहांक लेल एतेक धन-संपत्ति छोड़ि गेलाह अछि...
अपन वसीयत अहांक नाम पर करि गेलाह अ. कई बेर त एहन मेल आएत जे हम मुश्किल मे
छी... होटल... टैक्सी... गाड़ी-घोड़ा के बिल चुकाबय के लेल पाय नहिं अछि. मदद करु. कई
बेर बैंक के ओर सं सेहो मेल रहैत अछि जेहि मे अहां के बैंक के जानकारी के अपडेट
करय के कहल जाएत अछि. पासवर्ड बताबय लेल कहल जाएत अछि.
ईमेल के आखिर मे बीमा भुगतान... सीमा शुल्क भुगतान...
कुरियर... पुलिस अधिकारी के रिश्वत देबय के लेल... वीजा आओर दोसर शुल्क के
लेल... मदद के लेल पाई मांगल जाएत अछि. ओ अहां सं पता...फोन नम्बर के संग बैंक
खाता के जानकारी सेहो मांगत. कई तरहक शुल्क के लेल ओ अहां के अपन खाता मे पाई
जमा करय लेल कहत. गुमराह करय वाला ईमेल के जाल मे नहिं फंसु. एहन तरह के कोनो
मेल आबय त सभसं पहिने त ओकरा स्पैम रिपोर्ट क दिऔ. फेर ओहि तरहक मेल अनाय नहिं
रुकैत अछि त ओकर सूचना पुलिस के देल करु. दिल्ली मे त अहां एहि तरहक मेल के खबर
100 ओर 1090 नंबर पर फोन क सेहो द सकय छी. कनि धन के लोभ मे अहां अपन जीवन भर
के कमाई गवां सकय छी. एहन ईमेल सं बचि के रहब.


TwitIMG

Webmasters Make $$$

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु