
बिहार मे अखन सेना के मात्र दु टा केंद्र अछि. दानापुर मे सब एरिया हेडक्वार्टर आओर गया मे एएससी सेंटर. गया मे अखन जे ई सेंटर अछि ओ करीब 600 एकड़ मे फैलल अछि. रक्षा मंत्रालय एकरा एहि ठाम सं हटा बंगलुरु लs जाए चाहैत अछि. मुदा होहल्ला सं बचल लेल एकटा झुनझुना सेहो थमाएल जा रहल अछि. सरकार एहिठाम ऑफिसर्स ट्रेनिंग एकेडमी ( OTA ) बनाबय चाहैत अछि. ओटीए मे शॉर्ट सर्विस कमीशन ऑफिसर्स के प्रशिक्षण देल जाएत. चेन्नई ओटीए के बाद ई देश के दोसर ओटीए संस्थान होएत जतय ऑफिसर्स के प्रशिक्षण देल जाएत. ओना इंडियन मिलिटरी एकेडमी देहरादून मे सेहो ऑफिसर सभ के ट्रेनिंग देल जाएत अछि. अगर देहरादून के देखल जाए त ई देश के तेसर संस्थान होएत. मुदा एकर मतलब ई नहिं जे पहिने सं जे सेंटर अछि ओकरा हटा क दोसर ठाम लs जाएल जाए. सेंटर गया मे बनल रहय एकरा लेल सभ पार्टी के प्रतिनिधित्व के मिलिजुलि कs केंद्र सरकार के पास उठयबाक चाही. बिहार के संग अखन धरि बड़ नाइंसाफी भेल अछि. आब लोक के एकरा सभ के खिलाफ आवाज उठाबय पड़त. अपन आवाज बुलंद करय पड़त. अपन-अपन इलाका के सांसद... राज्यसभा सांसद के जगाबय पड़त जे आबो उठु... पार्टी पॉलिटिक्स के छोड़ि राज्य विकास के लेल एक होउ. आब बैसि कs राजनीति कएला सं काज नहिं चलत. दौड़-धूप करु. अहां सभ के कि लगैत अछि. अखन धरि जे बिहार के संग होएत आबैत रहल अछि ओ आगां सेहो होएत रहय ? अगर नहिं त देखैत कि छी अपन-अपन एमपी पर दबाव बनाउ. अगर से नहिं कs सकय छी त कम सं कम अपन बिचार त एहि ठाम राखिए सकय छी नहि . कि सेहो नहि ?
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु