नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दरभंगा मे मिथिला थीम पार्क

दरभंगा मे एकटा पार्क बनय जा रहल अछि जेहि मे अहांके मिथिलाक सभ्यता... संस्कृति... लोक- परम्परा... गीतनाद... लोककथा आओर मिथिलाक विभूति सभ किछ के एकहिं ठाम दर्शन भs जाएत.  लोक सभ के ई साहित्य आओर शिल्प के माध्यम सं जानए लेल मिलतन्हि. मिथिलाक थीम पर ई पार्क दरभंगा जक्शन के पास म्यूजियम मे बनय वाला अछि.  एकर तैयारी पटना के प्रेमचंद रंगशाला आओर कॉलेज ऑफ आर्ट एंड कॉलेज मे चलि रहल अछि.  सरकार के तरफ सं एहि लेल 30 लाख रुपया देल गेल अछि.  एहि थीम पार्क मे आबि लोक अपन मिथिलाक बारे मे एहन-एहन जानकारी पाबि सकैत छथि जकरा बारे मे ओ सोचिओ नहिं सकैत छथिन्ह.  लोक एहि ठाम आबि इतिहास सं रूबरु भ सकैत छथि.  विदेश राजा जनक... माता जानकी सं लsक महाकवि विद्यापति सभ गोटे के बारे मे छोट सं लsक पैघ सभ तरहक जानकारी पाबि सकैत छथि. मंडन मिश्र आओर भारती जीक शंकराचार्य के संग शास्त्रार्थ वाला प्रसंग होए आ कोनो दोसर... सभ चीज के समाहित करय के कोशिश भs रहल अछि. मैथिली लोकगीत होए आ फेर मधुबनी पेंटिंग सभक जानकारी अहांके एहिठाम मिलि सकैत अछि.  किछ रहि जाएत त लोकक अनुरोध के बाद ओकरा बाद मे जोड़ि देल जाएत.  ओना एहि सं जुड़ल लोक सभ के अपना भरि कोशिश छनि जे किछ नहि छुटै.  सरकार के योजना एहि तरहक दूटा आओर पार्क बनाबय के अछि.  एकटा छपरा मे आ दोसर बेतिया मे.  एहि दूनु पार्क मे बिहारक इतिहासक दर्शन कएल जा सकत सरकार के ई कोशिश नीक कदम अछि.

4 टिप्‍पणियां:

  1. कहीं मिथिला समर कैपिटल बनाने की तैयारी तो नहीं चल रही है...इससे पहले आपने बताया कि पर्यटन स्थल के रूप में विकसित किया जा रहा है...अब थीम पार्क बन रहा है...बढ़िया है...खुशी की बात है...कहीं कुछ हो तो रहा है...

    जवाब देंहटाएं
  2. हितेंद्र जी जल्दी जल्दी सब कराइए...हम लोग घूमने आना चाहते हैं...आपके ब्लाग से एक फायदा तो है...मैथिल क्षेत्र की जानकारी मिल जा रही है...

    जवाब देंहटाएं
  3. अहां सभके बहुत बहुत धन्यवाद. अहांक विचार जानि मन प्रसन्न भ गेल. एहिना पढ़ैत रहु आओर लिखैत रहुं. मिथिला मे अहां सभ के स्वागत अछि सदिखन.

    जवाब देंहटाएं
  4. बहुत सुंदर...बहुत बढ़िया...

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु