कोसी के काज पूरा


कोसी मे पिछला साल आएल बाढ़ि के बाद जे काज होबाक छल ओकरा पूरा करि लेल गेल अछि. ई कहनाय छनि केंद्रीय जल संसाधन मंत्री पवन कुमार बंसल जीक. बंसल जीक कहनाय छनि जे कुसहा मे डेढ़ किलोमीटर के करीब जे बांध टूटल छल ओकरा बना लेल गेल अछि. एकरे संग कोसी अपन पुरान रास्ता पर आबि गेल अछि. कोसीक धार आब पुरान रास्ता पर बहि रहल अछि. पिछला साल कुसहा मे बांध टूटला सं जान-माल के भारी नुकसान भेल छल. बाढ़ि के राष्ट्रीय आपदा घोषित करि देल गेल छल. बाढ़ि के याद करि लोक अखनो सिहरि उठय छथिन्ह. सरकार के तरफ सं जे कहल जाए मुदा स्थानीय लोक के कहनाय छनि बाढ़ि सं बचाव के लोल अखनो काफी किछ करय के जरूरत अछि. धार के पानि कनिओ बढैत अछि कि लोक के धड़कन सेहो बढ़ि जाएत अछि.

Comments

  1. सरकारी घोषणा आ असली काजक अन्तर तऽ हमरा सभ केँ स्पष्ट अछिहे। नीकक आशा जरूर करबाक चाही।

    बिशेष गप इ जे एखनहिं एक घण्टा पूर्व अहाँक दोस्त संजय मिश्र जी सपत्नीक डेरा पर आयल छलाह तखन अहाँक चर्चा सेहो भेल।

    सादर
    श्यामल सुमन
    09955373288
    www.manoramsuman.blogspot.com
    shyamalsuman@gmail.com

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

कि कि नहि कराएत ई बाढ़ि... ki ki nai karaait ee baarhi

पूर्णिया मे सुखोई

मिथिला बिन बिहार आ बिहार बिन देशक विकास संभव नहि- नीतीश

हमर विआह-10

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल