नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिहार के फेर अपमान


Bookmark and Share
Subscribe to me on FriendFeedAdd to Technorati Favorites

महाराष्ट्र मे एक बेर फेर बिहार के अपमान भेल अछि. पुणे के एकटा लॉ इंस्टीच्यूट मे इंटरव्यू के लेल गेल छात्र के बिहारी कहि के बुलाएल गेल. बिहारी कहि क बुलाबय वाला कोनो अनपढ़ ओर गंवार लोक नहिं छलाह. बिहारी बुलाबय वाला छलाह इंटरव्यू बोर्ड के सदस्य. एतबा नहिं इंटरव्यू बोर्ड के सदस्य बिहारी के ताना देबय के संग हिनका संग के इहो कहलाह जे आबि गेलाह क्राइम प्रदेश के निवासी. एडमिशन के लेल बिहार सं संस्थान मे इंटरव्यू देबय लेल गेल छात्र के अपमानित कएल गेल. ई वाक्या रोड पर चलैत आ एम्हर-ओम्हर नहिं भेल अछि. वाक्या भेल अ देश के सम्मानित लॉ इंस्टीच्यूट मे.
ई घटना के खबर मिलला के बाद सं लोक सन्न छथि. अहां सोचि सकय छी जे इंटरव्यू बोर्ड के लोक के केहन मानसिकता अछि. लॉ के माध्यम सं ओ लोक के न्याय... सामाजिक समरसता के प्रयास कि करथिन्ह ? ओ त समाज मे जहर घोलय के काज कs रहल छथि. एकर जतेक निंदा कएल जाए कम होएत. इंटरव्यू के एहन सदस्य के खिलाफ कार्रवाई करैत महाराष्ट्र सरकार के तुरंत एहन लोक के बाहर के रास्ता देखयबाक चाही. एहन लोक समाज के लेल कलंक अछि जे समाज के... देश के बांटय के कोशिश क रहल छथि. लोक राज ठाकरे के कहैत छल. मुदा एहन पढ़ल- लिखल लोक... देश के दिशा देय वाला लोक त आओर खतरनाक अछि देश के विकास के रास्ता मे. एहन लोक के सख्त सं सख्त सजा देबय के जरूरत छै जाही सं दोसर लोक एहि तरहक हिम्मत नहिं क सकय.
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एहि मामला के गंभीरता सं लैत केंद्रीय गृह मंत्री आओर महाराष्ट्र के मुख्यमंत्री के पत्र भेजलखिन्ह अ. अपन पत्र मे नीतीश जी कहलथिन्ह अ कि बिहारी छात्र सभ के सुरक्षा के लsक कठोर कदम उठाबय के जरूरत अछि. नीतीश जी इहो कहलखिन्ह जे लॉ इंस्टीट्यूट मे बिहार के छात्र सं आपत्तिजनक सवाल पूछल जा रहल अछि. छात्र के इंटरव्यू बोर्ड के बिहारी विरोधी रुख के सामना करय पड़ि रहल अछि. इंटरव्यू के दौरान बिहारी छात्र सभ के कहल गेल जे बिहार क्राइमक कैपिटल अछि आओर बिहारी एहिठाम क्राइम करय लेल आबैत अछि. अपन चिट्ठी मे मुख्यमंत्री लिखलखिन्ह अ जे एहि सं बिहार के लोक के भावना के बड़का आघात पहुंचल अछि. महाराष्ट्र मे बिहारी छात्र आओर मजदूर के लगातार परेशान करनाय चिंता के बात अछि.
मुदा कि करबय पिछला बेर जखन बिहारी छात्र सभ के मुम्बई... महाराष्ट्र मे मारल-पीटल गेल छल तखनो कांग्रेसे के सरकार छल केंद्र ओर राज्य दुनु ठाम... आओर अखनो दुनु ठाम कांग्रेसे के सरकार अछि. कांग्रेस सरकार बिहारी मामला पर अनठिआबय वाला मानसिकता राखैत अछि. मामला के टालय वाला रूख राखैत अछि. राज ठाकरे मामला पर सेहो अनठिआबैत-अनठिबैत हीरो बना देलक. अगर कांग्रेर सरकार के एहि मामला पर कनिओ संजीदा रहैत त अखन धरि इंटरव्यू बोर्ड के सदस्य के हटा देल गेल रहैत. मुदा केंद्र सरकार सेहो जेना जख्म पर नूने मलय के काज करैत अछि.
आखिर बिहार के मेहनती... लगनशील... तेजतर्रार... हरफनमौला लोक के खिलाफ कहिआ तक ई सभ होएत रहत ? सरकार कोनो मामला के शुरूए मे गंभीरता सं किएक नहिं लैत अछि ? कि ऑस्ट्रेलिया...कनाडा मे जेना भारतीय छात्र के संग भs रहल अछि ओ भारत के दोसर राज्य मे बिहारी के संग होएत रहत कि ? ई सभ कहिआ तक चलैत रहत ?


TwitIMG

Webmasters Make $$$

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु