दिल्ली मे गिरफ्तार आतंकवादी उमर मदनी के बारे मे खुलासा भेल अछि कि ओ अपन मिथिला सं अछि. मदनी मधुबनी जिला के बासोपट्टी प्रखंड सं अछि. गाम भेल बलकटवा. मीडिया मे जखने ई खुलासा भेल कि मदनी मधुबनी के बासोपट्टी सं अछि. मीडिया सं जुड़ल लोक सभ के मदनी के गाम से जमावड़ा होए लागल. ओना गाम के लोक मदनी के बारे मे किछ बताबय सं बचि रहल छथिन्ह. मदनी के गाम के असल नाम मोहम्मद उमेर अछि.
गाम मे मदनी के मां शायरा खातून एकसरे रहय छथीह. मदनी के पिता मो. शम्सुल हक नेपाल के सप्तरी जिला मे मदरसा चलाबैत अछि. मदनी के चारिटा भाई ओआर अछि.  मो. जोहैर... मो. उजैर... मो. जुबैर आओर मो. नुमैर.  नुमैर के छोड़ि सभ के नाम गाम के वोटर लिस्ट मे अछि.  मो. जोहैर के बारे मे कहल जा रहल अछि जे ओ दिल्ली मे अरबी भाषा के प्रोफेसर छथिन्ह.  एकटा भाई अरब मे रहैत अछि. सभ भाई बाहरे रहय छथि आओर बीच-बीच मे मां सं मिलय लैल आबैत रहय छथि.अहां के ई जानि के अचरज होएत जे बासोपट्टी के एकटा आओर आरोपी अछि मो. कमाल. मो. कमाल सेहो मुम्बई विस्फोट के आरोपी अछि. कमाल फिलहाल जेल मे अछि. कहल जाएत अछि जे मदनी मधुबनी के कइटा लोक के आतंकी प्रशिक्षण द चुकल अछि. आओर मिथिला सं जुड़ल लोक के लश्कर सं जोड़य लेल... भर्ती करय लेल पाई के इंतजाम सेहो करैत छल. खबर त सेहो छै जे मदनी के तार नेपाल सं सेहो जुड़ल अछि. मदनी फिलहाल पुलिस रिमांड मे अछि. मुदा मिथिला के लोक सभ के गंभीरता सं एहि बारे मे विचार करय पड़तन्हि. बीच-बीच मे खुफिया रिपोर्ट सेहो छपैत रहैत अछि जे नेपाल सं जुड़ल इलाका मे आईएसआई के गतिविधि बढ़ल अछि. आतंकी बिहार के सीमावर्ती इलाका के भोला-भाला...मासूम लोक के अपन निशाना बना रहल अछि.

कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु