नवका- पुरनका लेख सर्च करु...
मैथिल बैसार...
अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद के दु दिनक राष्ट्रीय कार्यकारिणी जयनगर मे शुरू होबय जा रहल अछि. कार्यकारिणी 13 ओर 14 जून के आर्य कुमार पुस्तकालय मे होएत. राष्ट्रीय कार्यकारिणी मे मिथिला आओर मैथिलीक विकास पर चर्चा कएल जाएत. मुदा अखन धरि जतेक बैसार आओर काज भेल अछि ओकरा संताष जनक नहिं कहल जा सकैत अछि. अपन मैथिल सभ कइटा गुट मे बंटल छी . एकटा ईर घाट त दोसर बीर घाट. विकास के बात पर सेहो कोनो तालमेल नहिं. सभ अपन-अपन राग अलापैत रहैत छथि. एहि कार्यकारिणी मे करीब 50 टा सदस्य शामिल होताह. हिनका सभ सं हम नीक करय के उम्मीदे टा कs सकय छी. किछ ठोस देखबन्हि तखने किछ भरोस होएत.
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु