लिच्छवी आब समस्तीएपुर तक..

Hotels Combined Pty Ltd

खबर अछि जे नई दिल्ली सं सीतामढ़ी के बीच चलय वाला ट्रेन संख्या 4005 आओऱ 4006 लिच्छवी एक्सप्रेस आब सीतामढ़ी तक नहिं जाएत. ओना अखन एहि बारे मे कोनो फैसला नहिं भेल अछि आओर खुशरूपुर मे ट्रेन मे आगि लगाबय के घटना के बाद फिलहाल एहि पर यथास्थिति बनल रहि सकैत अछि. कइटा ट्रेन के स्टोपेज खुशरूपुर मे बंद करय के विरोध मे लोक सभ दरभंगा इंटरसिटी एक्सप्रेस ट्रेन मे आगि लगा देलखिन्ह. विरोध के ई तरीका नीक नहिं अछि. एहि सं लोक सभ के परेशानी होएत अछि आओर देश के करोड़ो रुपया के संपत्ति के नुकसान सेहो होएत अछि.

ओना लिच्छवी के बारे मे कहनाय छनि जे जहिआ सं ई ट्रेन सीतामढ़ी जाए लागल अछि तहिआ सं कहिओ टाइम पर नहिं चलल अछि. सभ दिन चारि- पांच घंटा लेट रहिबे करैत अछि. एहि लेल विचार भs रहल अछि जे ट्रेन के समस्तीपुर तक चलाएल जाए. आओर समस्तीपुर सं सीतामढ़ी तक एकटा लिंक ट्रेन चलाएल जाए जे लिच्छवी के मेल देत. आओर जे लोक लिच्छवी सं नई दिल्ली दिस जाए चाहैत छथि लिंक ट्रेन सं आबि एकरा पकड़ि सकैत छथि. एहि सं ट्रेन के रख-रखाब सेहो नीक सं होएत र टाइम पर सेहो चलत.



TwitIMG


Webmasters Make $$$
Webmasters Make $$$

Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

कुंद नहि होबाक चाही रचनाधर्मिता केर धार- रविन्द्र नाथ ठाकुर

दरभंगा लेल हवाई सेवा !

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

दरभंगा सं मरीज के लेल हवाई सेवा

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा

Photos: बिहार महोत्सव दिल्ली पार्ट 2