नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दरभंगा मे पुस्तक मेला

Hotels Combined Pty Ltd

दरभंगा मे 30 मई सं पुस्तक मेला शुरू भेल, नेशनल बुक ट्रस्टक ओर सं आयोजित ई पुस्तक मेला 7 जून धरि चलत. पुस्तक मेला के उद्घाटन ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय छात्र संकाय के अध्यक्ष ओर प्रभारी कुलपति मदन मोहन पांडेयजी कएलखिन्ह. नेशलन बुक ट्र्रस्ट देश विदेश मे पुस्तक मेलाके आयोजन करैत रहैत अछि. नेशनल बुक ट्रस्ट अखन धरि 33 टा राष्ट्रीय आ 18 टा विश्व पुस्तक मेलाक आयोजन करि चुकल अछि. नेशनल बुक ट्रस्ट कई भाषा मे पुस्तक छापैत अछि आओर नीक-नीक पुस्तक के अनुवाद सभ भाषा मे करबैत अछि. नेशनल बुक ट्रस्ट मैथिलीक कइटा किताब सेहो दोसर भाषा मे प्रकाशित कएने अछि. नेशनल बुक ट्रस्ट के एकटा नीक बात इहो अछि जे एकर नीक-नीक किताब काफी कम दाम पर भेट जाएत अछि. लोक मे पुस्तक पढय के जागरूकता लाबय मे सेहो ट्रस्ट जुटल रहैत अछि. दिल्ली मे त एकर चलैत-फिरैत पुस्तकालय सेहो अछि. गाड़ी पर पुस्तकालय बना देल गेल अछि ओर सभ इलाका मे घुमैत रहैत अछि. एकर एकटा पुस्तक क्लब सेहो अछि. हम करीब पन्द्रह साल सं ओकर सदस्य छी. सदस्य के किताब पर 20 फीसदी के छूट सेहो मिलैत अछि. हम त बेसि एहि ठाम सं कहानी संग्रह लैत छी. आई-काल्हि काम-काज के बीच बड़का-बड़का उपन्यास पढ़य के समय नहिं मिल पाबैत अछि. ओहि लेल कहानी संग्रह नीक रहैत अछि. आओर एहिठाम त सभ किताब चुनींदा लेखक सभ के छनि.


TwitIMG


Webmasters Make $$$
Webmasters Make $$$

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु