नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

ककर बनत सरकार ?


16 तारीख...शनि दिन. दोपहर तक पता चलि जाएत जे जनता महाराज के फैसला कि छैन ? आब जखन कि जनादेश आबय वाला अछि आओर सभ टीवी... अखबार के जे अखन धरि एक्जिट पोल आएल अछि ओहि सं त कोनो पार्टी के पूर्ण बहुमत नहिं देखा रहल अछि. एहन हाल मे क्षेत्रीय आओर छोट-मोट दल के पूछ बढ़ि गेल अछि. कांग्रेस आओर बीजेपी दुनु जादुई आंकड़ा के जुटाबय मे लागल अछि. एहि क्रम मे एहन भ रहल अछि जे चुनाव प्रचार के दौरान जे पार्टी एक दोसरा के खिलाफ जे से नहिं कहय वाला आब एक दोसरा के पटाबयs मे लगि गेल छथि. अपन बिहार के देखु. आरजेडी...एलजेपी आओर समाजवादी पार्टी प्रचार मे कांग्रेस के कि नहिं कहलक. कोनो कसर बाकि नहिं रखलक. जवाब मे कांग्रेस सेहो लालू पर कसगर प्रहार कएलक. मुदा आब जखन देखा रहल अछि जे असगरे सरकार नहिं बनत त फेर सभ के मान मनौवल जारी अछि. एक दोसरा सं मेल-मुलाकात जारी अछि. आओर हम तुम्हारे हैं सनम वाला राग गाबि रहल छथि. लालूजी आओर पासवान जी... के संग मुलायमजी सेहो कहय छथिन्ह जे हम यूपीए के संग छी. शरद पवार सेहो अपन जोड़-तोड़ मे लागल छथि. सोचय छथि कांग्रेस के सरकार नहिं बनला पर ओ शिवसेना आओर वामदल के मदद सं पीएम बनि सकय छथि. ओम्हर एनडीए के महारथी सब सेहो गोटी बिछाबय मे लागल छथि. ममता आओर जयललिता सं लs क चंद्रबाबू नायडू के वापस लाबय के प्रयास शुरू भ गेल अछि. टीआरएस त संग आबिए गेल अछि. एहि सिलसिला मे नरेन्द्र मोदी सेहो दिल्ली मे पार्टी के नेता संग भेल बैठक मे शामिल भेलाह. हिनका सब के उम्मीद छनि जे बीजेडी सेहो जरूरत पडला पर संग ज सकैत अछि. आओर पार्टी के किछ नेता मायावती जी सं सेहो सम्पर्क बनौने छथि.

त्रिशंकु लोकसभा के स्थिति मे वामदल के समर्थन निर्णायक भ सकैत अछि. मुदा फैसला आबय सं पहिने कि कहल जाए. अगर एक्जिट पोट एतेक सटीक रहैत त फेर चुनाव के जरूरते नहिं पड़ैत. लोक एक्जिट पोल सं पता लगा लैत कि ककर सरकार बनि रहल अछि. मुदा ऐना नहिं होएत अछि. गुप्त मतदान के इहे त खुबी अछि . मतदाता ककरो राजा बना सकैत अछि. असली किंग मेकर के भूमिका मे त वोटरे छथि. हुनकर पेटार खुलय दिअउ, सब साफ भ जाएत. एहनो भ सकैत अछि जे यूपीए आ एनडीए मे सं कोनो के बहुमत मिलि जाए. अखन किछ नहिं कहल जा सकय अछि. इंतजार करू आओर ई बताउ जे अहां के कि लगैत अछि. ककर सरकार बनत ?
Bookmark and Share Subscribe to me on FriendFeed Add to Technorati Favorites



TwitIMG

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु