नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिहार सं के ?

एहि सं पहिने के हमर लेख ' कि नीतीश के जीत बिहार के हार अछि ' पर कई टा कमेंट आएल. किछ लोक के कहनाय छलन्हि जे ई बिहार के हार नहिं अछि. बिहार के विकास नहिं रुकत. किछ लोक कहलाह जे फर्क पड़त. मुदा एकटा पाठक त एतेक खिसिआs गेलाह जे ओ कहलाह कि अहां सभ ई कि बेकार के मुद्दा उठौने छी ? हमर ई कहबाक अछि जे बिहार मे नीतीश जी जीतलाह... नीक गप्प. मुदा नीतीश जी के जीतला सं बिहार के नुकसान सेहो भेल अछि. नीतीशजी के जेडीयू आओर बीजेपी के जीतला सं बिहार के केंद्रीय मंत्रिमंडल मे जगह सिफर भs गेल अछि. किछ लोक के कहनाय छनि जे ई सभ सं किछ फर्क नहिं पड़य छै. मंत्री सभ पूरा देश के लेल काज करय छथिन्ह. अगर एहन गप्प अछि त ममता बनर्जी किएक रेल मंत्रालय के लेल जोर लगौने छलीह. किएक मन लाएक मंत्रालय नहिं मिलला पर डीएमके चीफ करुणानिधि दिल्ली सं रुसि कs वापस चलि गेलाह. 18 सीट जीतलाह ओहि मे सं हुनका नौ टा मंत्री चाही. ओहि मे बेटी... बेटा... भतीजा सभ के मंत्री बनाबय चाहय छलाह. आओर रेल मंत्रालय सेहो चाहय छलाह. मुदा रेल पहिने ममता के द देल गेल छल. डीएमके भने अखन रुसि कs चलि गेल अछि मुदा आएत जरूर. मंत्री पद के सुख नहिं छोड़य चाहत डीएमके. मंत्री पद के चक्कर मे कांग्रेस के कतेक कसरत करय पड़ि रहल अछि. सीट बेसि जीतल कांग्रेस आओर महत्वपूर्ण सीट के मांगि रहल अछि डीएमके आओर टीएमसी. किछ त अछि जे खास मंत्रालय के रहला सं फर्क पड़ैत अछि. एहन नहिं रहैत त एतेक मान-मनौवल होएबे नहिं करैत. एतेक रुसनाय- मनयनाय नहिं चलैत. मंत्री सभ अपन इलाका ...राज्य के विशेष ख्याल राखय छथिन्ह. हुनका फेर सं जीत के आबय के रहय छनि. पार्टी के अपन काज के लोक के बताबय के रहैय छनि. फैट्री खुलैत अछि... दफ्तर खुलैत अछि... रोजगार के अवसर बढैत अछि. आ सभ के नुकसान एहि बेर बिहारके अछि. कि अहां सभ के एना नहिं लगैत अछि ?

Bookmark and Share Subscribe to me on FriendFeed Add to Technorati Favorites


TwitIMG

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु