डांस इंडिया डांस मे ALISHA

जीटीवी पर डांस पर आधारित एकटा कार्यक्रम आबैत अछि 'डांस इंडिया डांस'. एकर फाइनल 30 तारीख के होए वाला अछि . अहां के ई जानि के खुशी होएत जे रांची के एकटा लड़की अलीशा सिंह फाइनल तक पहुंचल छथीह. मुदा ई जानि अहांक खुशी आओर बढ़ि जाएत जे अलीशा के पिताजी राजो सिंह मूलरूप सं मधुबनी जिला के बेनीपट्टी के छथिन्ह. राजो सिंह जी रांची मे बसि गेल छथिन्ह. अलीशा सिंह के मां सेहो मधुबनी के छथिन्ह. हिनकर मातृक सेहो बेनीपट्टी सं सटल गाम मे अछि.
अलीशा के डांस के स्टाइल सभ प्रतियोगी सं अलग अछि. लड़की होएत हिनका मे प्रभुदेवा आओर माइकल जैकसन के झलक मिलैत अछि. अलीशा के जीताबय के लेल मधुबनी... मिथिला के लोक सभ एसएमएस पर एसएमएस करि रहल छथिन्ह. अगर अहां सेहो मैसेज करय चाहय छी त मैसेज बॉक्स मे जा ALISHA टाइप कs ओकरा 57575 पर भेज सकय छी. SMS अहां 30 तारीख के राति 9:30 तक भेज सकय छी.








Bookmark and Share Subscribe to me on FriendFeed Add to Technorati Favorites

TwitIMG


click here

Comments

Popular posts from this blog

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

हमर विआह- 8

हमर विआह-9

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

हमर विआह-11

जय हो...

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल मे श्लोका (एम टीवी 'हसल' फेम) केर रैप शो

Sri Sri addresses former Nobel Peace laureates