नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

आईआईटी आओऱ सुपर 30

इंडियन इंस्टीच्यूट ऑफ टेक्नोलॉजी...आईआईटी के रिजल्ट आबि गेल . आओर खुशी के बात ई अछि जे एहि बेर फेर बिहार के सुपर 30 के रिजल्ट सर्वोत्तम रहल. एहि बेर सेहो एहिठामक रिजल्ट शत -प्रतिशत रहल. एहिठामक तीसो के तीस छात्र आईआईटी गेट पास कs गेलाह. ई सभ भेल अछि आनंदजी के मेहनत के कारण. हुनका जतेक धन्यवाद देल जाउ कम होएत. सुपर 30 के पहिने आनंद कुमार जी आओर पुलिस अधिकारी अभयानन्द जी चलाबैत छलखिन्ह. मुदा पिछला साल अभयानन्द जी सुपर 30 सं अलग भ गेलखिन्ह. अलग भेलाह के बाद ओ अलग-अलग हिस्सा मे सुपर 30 जकां गरीब छात्र के पढ़ाबय लगलखिन्ह. बिहार मे कइटा सुपर 30 बना देलखिन्ह. सुपर 30 के कंसेप्ट पर आईआईटी के तैयारी कराबय लगलखिन्ह. एहि मे सं कइटा के सफलता रेट शत -प्रतिशत अछि. मुंगेर के रहमानी सुपर 30 मे शामिल 10 टा मे दसोटा छात्र सफल भेलाह . अहां के ई जानि के आओर खुशी होएत जे ई सभ गरीब परिवार के मुस्मिल छात्र छथिन्ह. एहि्ना पटना के त्रिवेणी सुपर के 15 टा मे से 15 टा छात्र पास भेलाह. भागलपुर के अंग सुपर 30 के 7 मे सं 5 टा ... गया के मगध सुपर 30 के 15 मे सं 14 टा आओर नालंदा के नालंदा सुपर 30 के 7 मे सं 4 टा छात्र सफल भेलाह. कुल मिलाकs 51 मे सं 48 टा छात्र पास भेलाह. एहि सफलता के श्रेय अभयानंद जी के जाए छनि. अगर आनन्दजीक सुपर 30 आओर अभयानंदजीक सुपर 30 दुनु के मिला देल जाए त कुल 78 टा छात्र सफल भेलाह. ई सभ गरीब परिवार के मेघावी छात्र छथिन्ह. हिनका सभ के शुभकामना.


TwitIMG

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु