मिथिला मे ई मुद्दा एक बेर फेर गरमा गेल अछि जे दरभंगा मे हाईकोर्टक बेंच होबाक चाही कि नहिं ? स्थानीय लोक सभ के कहनाय छनि जे दरभंगा उत्तर बिहार के बीच मे पड़ैत अछि ताही लेल एहि ठाम हाईकोर्ट के बेंच खुलला सं लोक सभ के बड़ सुविधा होएतन्हि. लोक के आसानी सं न्याय उपलब्ध होए लगतन्हि. अखन हाई कोर्ट पटना मे होबाक कारणे लोक सभ के पटना जाए पड़य छनि. दरभंगा मे अगर हाईकोर्टक बेंच बनैत अछि त लोक सभ के रोजगारक अवसर सेहो बढतन्हि. विकासक एकटा रास्ता खुलतन्हि. मानव संसाधन विकास राज्यमंत्री अली अशरफ फातमी सेहो कहलथिन्ह अ जे ओ दरभंगा मे हाईकोर्टक बेंच बनाबय मे हर तरह मदद देबय लेल तैयार छथिन्ह. हुनकर इहो कहनाय छलन्हि जे दरभंगा उत्तर बिहार के सभ ठाम सं रेल आओर सड़क सं जुड़ल अछि ताही लेल एहिठाम बेंच स्थापित भेलाह सं लोक के विशेष सुविधा मिलतन्हि. अहां के कि लगैत अछि दरभंगा में खुलबाक चाही कि नहिं? अपन राय जरूर देब.
Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...
NAMASKAAR,
ReplyDeletedarbhanga me HIGHCOURT jaroor khulbaak chaahi, ehi me kono dooi-matt ke sawaale nahi achhi. janta-janardan t,a swaagatt karat
DHANYAWAAD
PRABANDHA KUMAR SINGH
MANIGACHI
DARBHANGA
Darbhanga mei sirf High court te banbak ta chahi sangahi Darbhanga Mithila ke Rajdhani se banay Jakra lel hum sab andolan kari
ReplyDelete