विकास यात्रा

बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी आई- काल्हि विकास यात्रा पर छथिन्ह. हुनकर विकास यात्रा 19 तारीख के शुरू भेलन्हि . विकास यात्रा के बारे मे हुनकर कहनाय छनि जे एहि यात्रा सं हुनका राज्य के विकास के काज के देखय ...परखय आओर जानय के मौका मिलतन्हि. एहि यात्रा के दौरान हुनका लोकक मनोभाव... विचार जानय के मौका मिलतन्हि. मुख्यमंत्री के ई यात्रा ओहि ठाम सं शुरू भेल जे राष्ट्रपिता महात्मा गांधी के कर्मभूमि के रूप मे जानल जाएत अछि. ई स्थान अछि पश्चिम चम्पारण के बगहा. यात्रा शुरू भेलाह के बाद नीतीश जी राति मे बगहा के पतिलार गाम मे रहलाह आओर फेर भोर मे गाम मे जनता दरबार सेहो लागल . जेहि मे हजारों लोक शामिल भेलाह. एहि यात्रा मे हिनका संग कइटा मंत्री आओर अधिकारी सभ सेहो संगे- संग चलि रहल छथिन्ह. बड़का लाव -लश्कर रहय छनि. यात्रा नीक अछि मुख्यमंत्री खुद लोकक बीच पहुंच रहल छथिन्ह. समस्या...परेशानी सुनि रहल छथिन्ह. एहि यात्रा सं गाम घर के विकास... सड़क बिजली पानी के बारे मे जानय... सीधा लोक सं मिलय के अवसर मिलि रहल छनि. मुदा विपक्षी पार्टी सभ के इहो कहनाय छनि जे ई पाई के बरबादी अछि. आओर सरकारी पाई पर चुनाव प्रचार भ रहल अछि. अहां सभ के कि लगि रहल अछि. अपन विचार जरूर लिखु.


Comments

Popular posts from this blog

खत्म होएत गैस के किल्लत...

जेएमआईटी बनल डीईसी

हमर विआह- 8

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

विज्ञान सं रुझान कम किएक ?