बीपीएससी परीक्षा रद

बिहार लोक सेवा आयोग... बीपीएससी के 48वीं सं 52वीं तक के सम्मिलित संयुक्त प्रतियोगिता परीक्षा के रद कs देल गेल अछि. ई आदेश पटना हाई कोर्ट सं आएल अछि. मुख्य परीक्षा 2 फरवरी सं होए वाला छल. आब पीटी फेस सं होएत. पटना हाई कोर्ट के कहनाय अछि जे बीपीएससी परीक्षा मे भेल गलती के मानि लेलक अछि
हाई कोर्ट के कहनाय छल जे परीक्षा के बिना रद कएने न्यायोचित फैसला नहीं भs सकैत अछि. 25 मई 2008 के भेल प्रारंभिक जांच परीक्षा...पीटी मे एक लाख 76 हजार 914 परीक्षार्थी बैसल छलाह. जेहि मे सं 19 हजार 318 के सफल घोषित कएल गेल छल. मुदा किछ छात्र कोर्ट चलि गेलाह हुनकर कहनाय छलन्हि जे परीक्षा मे किछ प्रश्न ... करीब 14 टा गलत छल आओर कइटा मॉडल सवाल के उत्तर सेहो गलत बताएल गेल छल. एहि सं पहिने बीपीएससी के गलती सुधारय लेल कहल गेल... मुदा सुधार नहिं भेला के बाद कोर्ट के ई फैसला सुनाबय पड़ल. हाई कोर्ट के कहनाय छल जे लोकतंत्र मे एकोटा व्यक्ति के अधिकार के उल्लंघन नहिं होबाक चाही आओर अगर एहि सं एकहुं टा लोक के हक छिनल जाएत अछि त ओ सही नहिं होएत. आओर हम एहिठाम लोकक हक के रक्षा के लेल छी.

Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

अथ श्री-श्री 108 स्वामी अनचिन्हारानन्द विरचित कलन्किया कथा

कुंद नहि होबाक चाही रचनाधर्मिता केर धार- रविन्द्र नाथ ठाकुर

दरभंगा लेल हवाई सेवा !

दरभंगा सं मरीज के लेल हवाई सेवा

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा