Skip to main content

मिथिलाक विकास : चुनौती आ संभावना

दिल्ली के हंसराज कॉलेज मे रवि दिन 25 जनवरी के अखिल भारतीय मिथिला नवनिर्माण मंचक उद्घाटन समारोह होबय वाला अछि. एहि समारोह मे 'मिथि्लाक समग्र विकास : चुनौती आओर संभावना' विषय पर चर्चा...विचार विमर्श कएल जाएत. समारोह के अध्यक्षता करताह डॉ सतीश चन्द्र झा जी. सतीशजी प्रधानमंत्री के आर्थिक सलाहकार आओर बिहारक विकास लेल बनल योजना आयोग विशेष कार्यदल के अध्यक्ष सेहो छथिन्ह. समारोह कॉलेज के सेमिनार हॉल मे डेढ़ बजे दिन मे शुरू होएत. एहि समारोह मे मिथिलाक पैघ-पैघ लोक सेहो रहताह... जेहि मे इतिहासकार आओर शिक्षाविद् प्रो डी एन झा... पूर्व सांसद डॉ गौरीशंकर राजहंस... मधुबनी के सांसद आओर केन्द्रीय गृह राज्यमंत्री शकील अहमद... राज्यसभा सांसद प्रभात झा... दैनिक जागरण अखबार के मुख्य महाप्रबंधक निशिकांत ठाकुर... लेखिका मृदुला सिन्हा... पूर्व पुलिस अधिकारी आमोद कंठ... मौथिली भोजपुरी अकादमी के उपाध्यक्ष डॉ अनिल मिश्र... एनडीटीवी के वरिष्ठ पत्रकार रवीश कुमार... दिल्ली के विधायक महाबल मिश्र आओर विधायक अनिल झा शामिल छथिन्ह. समारोह के बारे मे कोनो तरहक जानकारी के जरूरत होए त अहां लोकनि अखिल भारतीय मिथिला नवनिर्माण मंच के अध्यक्ष डॉ रणजीत कुमार मिश्र सं सम्पर्क कs सकैत छी... हुनकर नंबर छनि- 098915-98277 आओर 099688-73110
समारोह भs रहल अछि नीक बात अछि. मुदा एकटा बात देखबा मे आबि रहल अछि जे जहिआ सं मैथिली संविधान के आठवीं अनुसूची मे शामिल भेल अछि आओर मैथिली- भोजपुरी अकादमी बनल अछि... मैथिल सभ एकजुट होए के जगह बंटल जा रहल छथि. एहि बीच कइटा गुट बनि गेल अछि. कोनो गुट दिल्ली मे बैसार करय छथिन्ह त कोनो चेन्नई मे... त कोनो मधुबनी मे. सभ एकजुट होए के जगह अपन -अपन... अलग- अलग रास्ता अपनैने छथिन्ह. एकटा अलग पार्टी सेहो बनि गेल... लोक सभ कन्फ्यूज भs रहल छथिन्ह. कइटा लोक त एहन छथि जिनका मैथिली सं कोनो लेना देना नहिं रहलन्हि. मुदा मंच बनल...पद मिललन्हि त कुर्सी पकड़ि लेलाह. ई सभ जे होय एहि मंच सं नीक के उम्मीद करबाक चाही... ई उम्मीद करबाक चाही जे एहि मंच सं सही मायने मे मिथिलाक विकासक काज होएत. अहां सभ एहि समारोह मे पहुंचु... मुदा एकटा बातक ध्यान राखब जे अगिला दिन गणतंत्र दिवस के परेड अछि दिल्ली मे एहि लेल कनि सवेरे निकलब आओर अपन गाड़ी सं अएला पर सभ कागज पत्तर राखि के चलब जेही सं कोनो दिक्कत नहिं होए.

Comments

  1. maithili ke vikash me sabse bade badhak mithilanchal aur maithili ke nam par politics karne wale hain..
    jab bhi elections aate hai alag mithilanchal pradesh ki baat ki jati hai ..mai puchna chahta hoon jab kosi nadi me barh aayi thi to ye neta kaha the..
    mahabal mishra ya anil jha dilli wale ho gaye hai ..

    ReplyDelete
  2. डी.एन,झा जीक नाम देखि क' खुशी भेल, हमर मामागामक छथि, मुदा गाम 50 बरखसँ छोड़ने छथि। प्रतिष्ठित मार्क्सवादी इतिहासकारक विचारसँ ई संस्था अवश्य लाभ उठाएत।

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर