नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

ऑनलाइन होएत पोस्ट ऑफिस

बिहार मे 152 टा पोस्ट ऑफिस गर्मी छुट्टी तक कम्प्यूटर सं जोड़ी देल जाएत. एहि मे सं आधा ऊत्तर बिहारक...मिथिलाक पोस्ट ऑफिस होएत. सभसं खुशी के गप्प त ई अछि जे मधुबनी के हेड पोस्ट ऑफिस उत्तर बिहार के पहिल पूरा तरहे सं कम्प्यूटरीकृत हेड पोस्ट ऑफिस बनि गेल अछि. मधुबनी के बाद आब बेनीपट्टी... निर्मली... लहेरियासराय हेड पोस्ट ऑफिस... हायाघाट... रैयाम... डीएमसीएच... समस्तीपुर आओऱ सीतामढ़ी के संग उत्तर बिहार के कुल 72 टा पोस्ट ऑफिस के पूरा तरहे कम्प्यूटरीकृत कएल जाएत. एहि सं लोक के नीक सेवा... सुविधा मिलतन्हि. काज बेहतर ढंग सं आओर जल्दी होएत. मनीऑर्डर जल्दी मिलत... पाई जमा करय आओर निकालय मे कम समय लागत. एकरे संग डाक विभाग के कोशिश पोस्ट ऑफिस के माध्यम सं लोक के बीच बैंकिंग सुविधा के विस्तार करय के सेहो अछि. अपना दिस के लोक पाई जमा-निकालय लेल बैंक पर बेसि निर्भर रहैत छथिन्ह. आब पोस्ट ऑफिस के कोशिश बैंक के ग्राहक के अपना तरफ मोड़य के अछि. ओना पोस्ट ऑफिस के पास जमा -निकासी... फिक्स्ड डिपॉजिट...मासिक आय योजना... बीमा के कइटा नीक- नीक उत्पाद छै. मुदा ओकरा लोक के बीच प्रचार- प्रसार करय के जरूरत अछि. निजी कंपनी के दौड़ मे सरकारी कंपनी पिछड़ि जाएत अछि प्रचार मे मोर्चा पर. मुदा पाई के सुरक्षा के मुद्दा पर सरकारी बैंक आओर पोस्ट ऑफिस एक तरह सं गारंटी मानल जाएत अछि. एहिठाम पाई डालि कs अहां निश्चिंत भs सकय छी...चैन स सुति सकय छी. शेयर बाजार जकां हर समय टेंशन लेबय के जरूरत नहिं पड़त.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु