बिहार मे 152 टा पोस्ट ऑफिस गर्मी छुट्टी तक कम्प्यूटर सं जोड़ी देल जाएत. एहि मे सं आधा ऊत्तर बिहारक...मिथिलाक पोस्ट ऑफिस होएत. सभसं खुशी के गप्प त ई अछि जे मधुबनी के हेड पोस्ट ऑफिस उत्तर बिहार के पहिल पूरा तरहे सं कम्प्यूटरीकृत हेड पोस्ट ऑफिस बनि गेल अछि. मधुबनी के बाद आब बेनीपट्टी... निर्मली... लहेरियासराय हेड पोस्ट ऑफिस... हायाघाट... रैयाम... डीएमसीएच... समस्तीपुर आओऱ सीतामढ़ी के संग उत्तर बिहार के कुल 72 टा पोस्ट ऑफिस के पूरा तरहे कम्प्यूटरीकृत कएल जाएत. एहि सं लोक के नीक सेवा... सुविधा मिलतन्हि. काज बेहतर ढंग सं आओर जल्दी होएत. मनीऑर्डर जल्दी मिलत... पाई जमा करय आओर निकालय मे कम समय लागत. एकरे संग डाक विभाग के कोशिश पोस्ट ऑफिस के माध्यम सं लोक के बीच बैंकिंग सुविधा के विस्तार करय के सेहो अछि. अपना दिस के लोक पाई जमा-निकालय लेल बैंक पर बेसि निर्भर रहैत छथिन्ह. आब पोस्ट ऑफिस के कोशिश बैंक के ग्राहक के अपना तरफ मोड़य के अछि. ओना पोस्ट ऑफिस के पास जमा -निकासी... फिक्स्ड डिपॉजिट...मासिक आय योजना... बीमा के कइटा नीक- नीक उत्पाद छै. मुदा ओकरा लोक के बीच प्रचार- प्रसार करय के जरूरत अछि. निजी कंपनी के दौड़ मे सरकारी कंपनी पिछड़ि जाएत अछि प्रचार मे मोर्चा पर. मुदा पाई के सुरक्षा के मुद्दा पर सरकारी बैंक आओर पोस्ट ऑफिस एक तरह सं गारंटी मानल जाएत अछि. एहिठाम पाई डालि कs अहां निश्चिंत भs सकय छी...चैन स सुति सकय छी. शेयर बाजार जकां हर समय टेंशन लेबय के जरूरत नहिं पड़त.
Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...
Comments
Post a Comment