भोगेन्द्र झा जीक हालत गंभीर

पूर्व सांसद आओर भाकपा नेता भोगेन्द्र झा जीक हालत गंभीर बनल अछि. हुनका दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल के आईसीयू मे भर्ती कराएल गेल छनि. इलाज मे डॉक्टर के टीम लागल अछि.

खबर अछि जे दिल्ली सं दरभंगा जाए काल स्वतंत्रता सेनानी सुपर फास्ट ट्रेन मे हुनकर तबियत अचानक खराब भs गेलन्हि. ई देखैत हुनका संग यात्रा करि रहल यूपी के वरिष्ठ नेता जनेश्वर मिश्रजी हुनका बलिया मे उतारि लेलखिन्ह आ अस्पताल मे भर्ती करा देलखिन्ह . मुदा कोनो खास सुधार नहिं भेलन्हि . एहि के बाद सीपीआई मधुबनी जिला मंत्री डा. हेमचंद्र झा हुनका दरभंगा लs आनलखिन्ह. भोगेन्द्र जी मधुबनी सं पांच बेर सांसद रहि चुकल छथिन्ह . किसान आंदोलन आओर स्वतंत्रता आंदोलन सं जुड़ल रहल छथिन्ह. मिथिला मे जमीन सं जुड़ल नेता मे हिनकर स्थान सभ सं आगां छनि.

Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

आईबीएम मे जॉब... पाठकक पत्र

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

दरभंगा महाराज केर मूर्ति सं छेड़छाड़

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा