मैथिली सम्मेलन दिल्ली मे

अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषद के 18वां सम्मेलन 21 आओर 22 दिसम्बर के दिल्ली मे होबय जा रहल अछि. सम्मेलन दिल्ली मे लाजपतनगर के शीतला मंदिर मे भs रहल अछि. ई मंदिर लाजपतनगर बस स्टैंड के पास अछि . एहि ठाम पहुंचय मे कोनो दिक्कत नहिं आएत . 22 तारीख के मिथिला राज्यक मांग लs क दिल्ली के जंतर-मंतर पर प्रदर्शन सेहो कएल जाएत. प्रदर्शन के बाद राष्ट्रपति आओर प्रधानमंत्री के ज्ञापन सेहो सौंपल जाएत. सम्मेलन मे देश-विदेश के सैकड़ों प्रतिनिधि शामिल होएताह. सम्मेलन मे चर्चा के विषय मुख्यरूप सं रहत 'मिथिलाक विकास के लेल मिथिला राज्य'.
21 तारीख के कार्यक्रम 10 बजे शुरू होएत आओर परिचय- पाति के बाद कोसीक बाढ़ि आओर ओकर मिथिलाक विकास पर असर पर चर्चा कएल जाएत. फेर लंच के बाद मिथिला राज्य के गठन किएक जरूरी अछि एहि विषय पर सभ लोक अपन -अपन विचार रखताह. एहि सम्मेलन के बारे मे कोनो तरहक जानकारी के जरूरत होए त अहां आगां देल गेल फोन नंबर पर अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषद के पदाधिकारीगण सं सम्पर्क कs सकैत छी.
फोन नंबर अछि-

9971873583 ,
9811680725 ,
9350904059 ,
9958397733 .


Comments

Popular posts from this blog

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिल नववर्ष जूड़शीतल- सतुआइन केर शुभकामना

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

हमर विआह- 8

दिल्ली मे सामा चकेवा

पीएम सं पहिने सीएम के इंटर्नशिप?

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

नहि रहलाह मैथिली पुत्र प्रदीप

'मिथिला राज चाही'

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग