बेंगलुरु मे 25 दिसम्बर केँ विद्यापति मैथिली परिषद् के तत्वाधान मे विद्यापति समारोहक आयोजन कएल गेल.
कार्यक्रमक शुरुआत कर्नाटक के राज्यपाल डॉ. रामेश्वर ठाकुरजीक दीप प्रज्ज्वलन आ सांसद श्री रामा जोइस जीक क उद्-बोधन सँ भेल. दूनू विशिष्ट अतिथि के पाग आ दोपट्टा सँ सम्मानित कएल गेलन्हि.
समारोह मे मौजूद विद्वान लोकनि सभ मिथिला आ मैथिली सँस्क़ृति पर अपन विचार देलथि मुदा सभ सं खास गप्प इ रहल जे डॉ. रामेश्वर ठाकुरजी अपन विचार मैथिली मे प्रकट कयलथि.


एहि समारोह मे मैथिली वेब पत्रिका "कतेक रास बात" (http://www.vidyapati.org) के तरफ सँ पत्रिकाक सम्पादक कुन्दन कुमार मल्लिक ओकर प्रतिनिधित्व कयलथि .
जाहि मे पत्रिकाक उद्देश्य... उपलब्धि... आगामी परियोजना आ एहि सँ जुडल विभिन्न मुद्दा पर संगठनक विचार सँ उपस्थित मैथिल गण केँ अवगत करौलथिन्ह.
कार्यक्रमक पैघ विडम्बना इ रहल जे मंच संचालक मैथिली सँ बेसी हिन्दी आ अँग्रेजी मे बाजि रहल छलाह .


रिपोर्ट- कुन्दन कुमार मल्लिक
हितेन्द्रजी,
जवाब देंहटाएंहमर रिपोर्ट सभ केँ एहि मंच पर स्थान दय के लेल धन्यवाद संगे-संग
"कतेक रास बात" द्वारा अहाँ केँ सर्वश्रेष्ठ मैथिली ब्लॉगर चुनल जाय पर सेहो हार्दिक बधाई।
धन्यवाद।
जय मैथिल जय मिथिला-2 ई नव युबक के नारा छी ,
जवाब देंहटाएंअमेरिका रही या लंदन में सबटा मिथिला के असोरा छी
समस्त मिथिला वासि के हमरो चरण स्पशॅ अछि ,
मदन कुमार ठाकुर