बंगलोरक कॉनफिडेंट कास्केड रिसॉर्ट मे कतेक रास बात के तत्वाधान मे एकटा "मैथिल मिलन समारोह" क आयोजन कयल गेल. जाहि मे करीब 30 टा मैथिल परिवार उपस्थित भेलाह. कार्यक्रम दिन मे 03 बजे सँ रातिक 10 बजे तक चलल. जाहि मे किछु प्रतियोगिता आ साँस्कृतिक कार्यक्रम सेहो राखल गेल छल. मुख्य सँयोजक पद्मनाभ मिश्र जी छलथिन्ह आ मंच संचालनक जिम्मेदारी कुन्दन कुमार मल्लिक जीके देल गेल छलन्हि. जिनकर संग देलथिन्ह केशव कर्ण जी. कार्यक्रमक सफलताक अन्दाजा एहि बात सँ लगाओल जा सकैत अछि जे प्रतिभागी सभ बहुत जल्द एहिना एकटा आर समारोह के आयोजन पर जोर देलथिन्ह. निर्णय भेल जे अगिला बरस होली के आस-पास एहिना एकटा आयोजन फेर कएल जाय. कनेक काल के लेल लागल जे एक बेर फेर सँ अपन गाम-घर मे पहुँचि गेल छी. कार्यक्रम मे सामाजिक व्यवस्था सँ जुडल समस्या पर सेहो विचारक आदान-प्रदान कएल गेल.

सम्पादक, "कतेक रास बात"
http://www.vidyapati.org
मो.- 9739004970
No comments:
Post a Comment
अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु