डॉ शशिनाथ झा के भाषा सम्मान
डॉ शशिनाथ झा जीक चयन 2007 के भाषा सम्मान पुरस्कार के लेल कएल गेलन्हि अछि. ई पुरस्कार साहित्य अकादमी दिल्ली के ओर सं देल जाएत अछि. कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय के प्रोफेसर डॉ शशिनाथ झा जीक शास्त्रीय आओर मध्यकालीन साहित्य मे योगदान के देखैत एहि सम्मान के लेल चयन कएल गेलन्हि. एहि बारे मे साहित्य अकादमी के ओर सं डॉ शशिनाथ झा जी के पत्र भेजि कs सूचना दs देल गेलन्हि अ. संस्कृत विश्वविद्यालय मे व्याकरण के प्रोफेसर डॉ झा के घर मधुबनी जिला के लखनौर थाना मे छनि. शशिनाथ जी मैथिली... हिन्दी आओर संस्कृत मे 60 सं बेसि किताब लिखि चुकल छथिन्ह. ओना भाषा सम्मान दोसर बेर मिथिला आएल अछि. एहि सं पहिने डॉ जयमंत मिश्र जी के एहि सम्मान सं सम्मानित कएल जा चुकल अछि. एहि सम्मान के लेल डॉ शशिनाथ जी के बधाई.
Subscribe to:
Post Comments (Atom)
No comments:
Post a Comment
अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु